दड़िभङ्गा जिला
बिहारक जिलासभ
मानचित्र जाहिमे दड़िभङ्गा जिला बिहारक जिलासभ हाइलाइटेड अछी
सूचना
राजधानी : दड़िभङ्गा
क्षेत्रफल : 2,279 किमी²
जनसंख्या(2011):
 • घनत्व :
39,21,971
 1,700/किमी²
उपविभागसभ क नाम: विधानसभा सीटसभ
उपविभागसभ क संख्या: 12
मुख्य भाषा(एँ): हिन्दी


दड़िभङ्गा जिला (हिन्दी: दड़िभङ्गा जिला, उर्दू: دربھنگہ ضلع‎‎) पूर्वी भारतक बिहार राज्यक ३८ जिलामे एक जिला छी। ई जिलाक मुख्यालय दड़िभङ्गा शहर छी। दड़िभङ्गा जिला दड़िभङ्गा प्रमण्डलक एक जिला छी। ई जिलाके उत्तरमे मधुबनी जिला, दक्षिणमे समस्तीपुर जिला, पूर्वमे सहर्षा जिला आ पश्चिममे सीतामढ़ी जिलामुजफ्फरपुर जिला अछि। ई जिला २,२७९ किमी के क्षेत्रफलमे फैलल अछि। दड़िभङ्गा शब्द फारसी भाषाक दर-ए-बङ्ग सँ आएल मानल जाइत अछि। सन् १८७५ मे तिरहुतसँ अलग करि दड़िभङ्गाक जिला बनाएल गेल छल। मिथिला क्षेत्रक ई जिला अपन प्राचीन संस्कृति, संस्कृत आ बौद्धिक परम्पराक लेल विख्यात रहल अछि। मिथिला संस्कृतिक केन्द्र रहल ई जिला आम, मखान तथा माछक लेल सेहो प्रसिद्ध अछि।

इतिहास सम्पादन करी

सन् १९७६ मे दड़िभङ्गा क्षेत्रके: मधुबनी जिलासमस्तीपुर जिलामे बाँटल गेल छल।[१]

जनसङ्ख्या सम्पादन करी

सन् २०११ क जनगणना अनुसार ई जिलाक कुल जनसङ्ख्या ३९,२१,९७१ अछि जे[२] लाइबेरिया नामक राष्ट्र[३] आ अमेरिकी राज्य ओरेगनक जनसङ्ख्यासँ बेसी अछि।[४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Law, Gwillim (2011-09-25)। "Districts of India"Statoids। अन्तिम पहुँच 2011-10-11
  2. "District Census 2011"। Census2011.co.in। 2011। अन्तिम पहुँच 2011-09-30
  3. US Directorate of Intelligence। "Country Comparison:Population"मूलसँ 2007-06-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2011-10-01Liberia 3,786,764 July 2011 est. {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. "2010 Resident Population Data"। U. S. Census Bureau। अन्तिम पहुँच 2011-09-30Oregon 3,831,074

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी