छिन्नमस्ता भगवती

छिन्नमस्ता भगवती [सखड़ेश्वरी भगवती] मन्दिर सप्तरी जिलाकऽ राजविराज सँ दक्षिण सीमावर्ती क्षेत्र छिन्नमस्ता गाउँपालिका कऽ सखड़ा गाममे अवस्थित अछि । छिन्नमस्ता भगवती मनोकामना पूर्ण केनिहार शक्तिपीठसभमें सँ एक पीठ मानल जाईत अछि आ नेपालभारतक आमजनमानसक बड्का आस्थाके केन्द्र अछि ।[१]

छिन्नमस्ता भगवती
[[Image:
ऊपर सँ नीचा दिस: छिन्नमस्ता भगवतीक प्रतिमा आ दक्षिण दिशा सँ मन्दिरक दृश्य।
|280px|alt=|]]
छिन्नमस्ता भगवती नेपालपर अवस्थित
छिन्नमस्ता भगवती
छिन्नमस्ता भगवती
नेपालक नक्सा में छिन्नमस्ता भगवतीक मन्दिर
निर्देशाङ्क:२६°४०′०″उ॰ ८६°४४′५५″पू॰ / २६.६६६६७°N ८६.७४८६१°E / 26.66667; 86.74861निर्देशाङ्क: २६°४०′०″उ॰ ८६°४४′५५″पू॰ / २६.६६६६७°N ८६.७४८६१°E / 26.66667; 86.74861
नाम
अन्य नामसभ:शक्रेश्वरी देवी
वास्तविक नाम:छिन्नमस्ता भगवतीक मन्दिर
अवस्थिति
देश:नेपाल
राज्य/अञ्चल:सगरमाथा
जिला:सप्तरी
स्थान:सखडा, छिन्नमस्ता
कला आ संस्कृति
मुख्य देवता:छिन्नमस्ता भगवती
प्रमुख पर्व:बिजया दशमी या दशहरा

इतिहास सम्पादन करी

प्राचिन इतिहास आर किवंदन्तीके अनुसार, सन् १०९७में मुसलमान आक्रमण कालमें कर्नाटकके कर्नाटवंशी राजा नान्यदेव भागि पाटली पुत्र होइत मिथिला आएल आ सिम्रौनगढ (बारा)मे अपन राजधानी कायम कएने छल । एहि नान्यदेव वंशके पाँचम पिढीके शक्रसिंह देव राजा भेल । ऊ नाबालक पुत्र हरिसिंह देवके राजगद्दीपे राखि कऽ निर्वासित जीवन बिताबैल सप्तरी अएलाह। तखनि जङ्गलस भरल ई स्थानमें जङ्गल सफा करि कालमें भेटल भगवती मूर्तिके ओ अपन कुलदेवीक रूपमें स्थापना करलक आ अपन नामसँ देवीकें नाम शक्रेश्वरी राखने छल । देवीके शीर नैभेलाक कारणसँ किछु समयके बाद छिन्नमस्ता भगवती नाम राखल गेल छल ।[२] एहि ठाम दशमी (दशहरा) में सर्धालु भक्तजन सभक नेपाल आ भारतक बिहार सँ पैग सङ्ख्यामे माँताकें भक्तसभ दर्शन करबाक लेल आबैत अछि दशहराकें १० दिन धरि एहि ठाम पूजा पाठ केनिहार भक्तसभक खूब भीर रहैत अछि ।

मूर्तिक विशेषता सम्पादन करी

भगवतीक मूर्ति कारी रङ्गक छै। मूल मूर्तिके पैरक निचा पाड़ाक शीर स्पष्ट छै। मूल मूर्तिके कात दुनु बगल अन्य मूर्तिसभ अछि। स्थापित मूर्ति भैरवी चामुण्डा, छिन्नमस्ता, दक्षिणकाली आ महिष मर्दिनीक मूति अछि।[३]

सम्बन्धित पृष्ठ सम्पादन करी

सन्दर्भ सूची सम्पादन करी

  1. "प्रसिद्ध शक्तिपीठ सखडेश्वरी"। गोरखापत्र। अन्तिम पहुँच १० नवम्बर २०१४
  2. मेचीदेखि महाकाली भाग- १
  3. यादव श्यामसुन्दर,शखड़ेश्वरी भगवती शक्तिपीठ दर्शन,

बाहिरक स्रोत सम्पादन करी