चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज

चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज (अङ्ग्रेजी: Chitwan National Park; पहिने शाही चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज) (चि.रा.नि.) नेपालक सबसँ पहिल तथा सबसँ पुरान राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । एकर स्थापना सन् १९७३ मे कएल गेल छल । एहि निकुञ्जकें सन् १९८४ मे विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीबद्ध कएल गेल ।[१] एकर क्षेत्रफल ९३२ किमी (३६० वर्ग माइल) अछि । एकर अवस्थिति उचाई निचुलका नदी उपत्यकामे १०० मी (३३० फिट) सँ चुरे पहाड क्षेत्रमे ८१५ मी (२,६७४ फिट) धरि रहल अछि ।[२] चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज नेपालक मध्य तराईमे अवस्थित अछि जे जैविक विविधताक दृष्टिसँ धनिक अछि । एहि निकुञ्जक मुख्य कार्यालय कसरामे अछि । सब प्रकारक प्रशासनिक काजसभ कसरासँ होइत अछि ।

चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज
Chitwan National Park
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज भीतर रहल बीसहजारी ताल
{{{base_caption}}}
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक नक्सा
रहल स्थाननेपाल
नजदिकक सहरभरतपुर
निर्देशाङ्क२७°३०′०″उ॰ ८४°२०′०″पू॰ / २७.५००००°N ८४.३३३३३°E / 27.50000; 84.33333निर्देशाङ्क: २७°३०′०″उ॰ ८४°२०′०″पू॰ / २७.५००००°N ८४.३३३३३°E / 27.50000; 84.33333
क्षेत्रफल९३२ वर्ग किमी
स्थापनासन् १९७३
प्रकारप्राकृतिक
मापदण्डvii, ix, x
नामाङ्कित१९८४ (८म बैसार / बैसकी)
सन्दर्भ क्रम.२८४
राज्य नेपाल
क्षेत्रएसिया

सन् १९५१ धरि चितवन उपत्यकाक तत्कालीन शासकसभ एक आपसमे शिकार खेलैत छल जकर कारण ई खुबे प्रचलित छल । जे बादमे जाए चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक रूप लेलक । चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक मुख्यद्वार नजदिकक शहर भरतपुरसँ १० किलोमिटरक दुरीमे रहल अछि । ई निकुञ्ज भ्रमण करवाक लेल सडकमार्ग होइत भरतपुर भऽ टाँडीसँ भितर होइत जा सकैत अछि तँ भरतपुर विमानस्थलमे दैनिक उड़ान उपलब्ध अछि ।

इतिहास सम्पादन करी

१९हम शताब्दीधरि जङ्गलक हृदयक रूपमे रहल चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जमे जाड़क समयमे नेपालक शासक वर्गसभक मोनपोसन्द शिकार स्थान रहल छल । सन् १९५० धरि नेपालक दक्षिणी क्षेत्रसँ काठमाडौंधरि यात्रा बहुतेक कठिन छल जहि कारण जङ्गलक बाट प्रयोग कएनिहार बटोहीसभ एतय महिनौ शिविर लगाए बाघ, भालु, गैंडा, चितवासभक शिकार करैत छल ।[३] सन् १९५० मे, चितवनक वन आ घाँसक मैदान २,६०० किमी (१,००० वर्ग माइल)मे विस्तार भेल जाहिमे लगभग ८०० टा गैंडाक वासस्थानक रूपमे एकर परिणत कएल गेल । जखन मध्य-पहाडी क्षेत्रसँ गरीब किसान कृषि योग्य भूमिक खोजमे चितवन उपत्यका आएल तखन वनजङ्गल विनास करि ओसभ एतय बस्ती बनौलक आ वन्यजन्तुक चोरी शिकारी व्यापक भेल । सन् १९५७ मे, देशक पहिल संरक्षण व्यवस्था कानूनद्वारा गैंडा आ एकर वासस्थान संरक्षण कारबामे जोड़ देनए छल । सन् १९५९ मे, एडवर्ड प्रिचर्ड जीद्वारा एकटा सर्वेक्षण कएल गेल जहिमे ओ ई क्षेत्रमे रहल उत्तर राप्ती नदी आ दक्षिणमे वन्यजीव बचेबाक दश वर्षक लेल परीक्षण अवधिक लेल सिफारिस केलक ।[४] चितवनमे भेल सर्वेक्षणक बाद सन् १९६३ मे ओ जीवजन्तुसभक संरक्षण समाज आ प्रकृति संरक्षणक लेल अन्तर्राष्ट्रिय सङ्घ दुनूकें दक्षिण क्षेत्रकें विस्तार करवाक लेल सिफारिस केलक ।[५]

सन् १९६० कऽ अन्तधरि, ७०% जङ्गलसभकें डिडिटिक प्रयोगसँ खाली बनाए हजारो हजार लोकसभ बसोबास आरम्भ केलक जकर असर निकुञ्जभितर रहि रहल गैंडाक सङ्ख्यामे प्रत्यक्ष रूपसँ देखल गेल आ गैंडाक कूल सङ्ख्या ९५ पहुँचि गेल । गैंडाक सङ्ख्यामे आएल नाटकीय ह्रास आ बृहत चोरी शिकारीक देखैत सरकारद्वारा एक गैंडा पुनरीक्षक समूहक स्थापना कएल गेल जहिमे १३० सशस्त्र जवानसभ आ सुरक्षा केन्द्र सञ्जाल रहल छल जकरा चितवनक सम्पूर्ण स्थानमे गस्ती करै लेल लगाएल गेल छल । गैंडाक शिकार रोकथाम करवाक निमित्त सन् १९७० मे चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जके अनङ्कित कएल गेल आ सन् १९७३ मे एकर सुरूवाती रूपमे ५४४ किमी (२१० वर्ग माइल)क क्षेत्र सामिल कएल गेल ।[६]

सन् १९७७ मे, निकुञ्जकें एकर वर्तमान क्षेत्र ९३२ किमी (३६० वर्ग माइल)मे फैलाए कायम कएल गेल । सन् १९९७ मे नारायणी-राप्ती नदी प्रणालीक उत्तर आ पश्चिम तथा निकुञ्जक दक्षिण-पूर्वी सीमाविचमे आ साथे अन्तर्राष्ट्रिय सिमाना भारतबीच एकटा ७६६.१ किमी (२९५.८ वर्ग माइल)क मध्यवर्ती क्षेत्र जोड़ल गेल छल ।[२]

जलवायु सम्पादन करी

चितवनमे वर्ष भरि उष्ण प्रदेशीय मनसुन जलवायुसंगे उच्च वर्षा होमए वला ठाम छी ।[३] ई क्षेत्र केन्द्रीय हिमाली जलवायुमे अवस्थित भेलाक कारण ई क्षेत्रमे मनसुन मध्य जुन सँ सुरु होइत अछि आ सितम्बरक अन्तमे जाए वर्षामे कमी आबैत अछि । याह १४-१५ सप्ताहक अवधिमे एतय वार्षिक २५०० मिमीसँ बेसी वर्षा होइत अछि ।

पशुपंक्षी तथा जानवरसभ सम्पादन करी

ई निकुञ्जमे विशेष करि एक सिङ्घा गैंडाबाघक लेल प्रख्यात अछि । ई निकुञ्जमे ४३ प्रजातिक स्तनधारी प्राणी, ४५० प्रजातिक पंक्षी आ ४५ प्रजातिक जलथलचर पाबल जाइत अछि । एतय रहल प्रमुख स्तनधारी प्राणीसभमे मृग, चित्तल, बानर तथा लङ्गुर बानर आदि छी ।

साहित्य सम्पादन करी

  • पंक्षी संरक्षण नेपाल (२००६) चितवनका पंक्षीहरू (नेपाली भाषामे) ५४३ प्रजाति उल्लिखित । राष्ट्रिय निकुञ्ज विभाग तथा वन्यजन्तु संरक्षण तथा सहभागिता संरक्षण कार्यक्रम II, काठमाडौंमे प्रकाशित

मिडिया सम्पादन करी

ई निकुञ्जक एक सिङ्घा गैंडाकें द जेफ कोर्विन एक्सपेरिएन्सक दोस्रो संस्करणक ११हम भागमे प्रसारित कएल गेल छल ।

चित्रदीर्घा सम्पादन करी

सन्दर्भ सामाग्रीसभ सम्पादन करी

  1. name=unesco
  2. २.० २.१ Bhuju, U. R., Shakya, P. R., Basnet, T. B., Shrestha, S. (2007). Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites. सङ्ग्रहित २०१२-०३-०१ वेब्याक मेसिन International Centre for Integrated Mountain Development, Ministry of Environment, Science and Technology, in cooperation with United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. Kathmandu, ISBN 978-92-9115-033-5
  3. ३.० ३.१ Gurung, K. K. (1983). Heart of the Jungle: the Wildlife of Chitwan, Nepal. André Deutsch, London.
  4. Gee, E. P. (1959). Report on a survey of the rhinoceros area of Nepal. Oryx 5: 67–76.
  5. Gee, E. P. (1963). Report on a brief survey of the wildlife resources of Nepal, including rhinoceros. Oryx 7: 67–76.
  6. Adhikari, T. R. (2002). The curse of success. Habitat Himalaya - A Resources Himalaya Factfile, Volume IX, Number 3.

बाह्य लिङ्कसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी