गोल गुम्बद या गोल गुम्बज, (फारसी گل گنبذ)[१] बीजापुरक सुल्तान मुहम्मद आदिल शाहक मकबरा छी आ बीजापुर, कर्नाटकमे स्थित अछि । एकरा फारसी वास्तुकार दाबुल के याकुत सन् १६५६ मे निर्माण करौने छल । मुदा मूल रूपमे साधारण निर्माण भेला बादो अपन स्थापत्य विशेषतासभक कारण दक्षिणी वास्तुकलाक विजय स्तम्भ मानल जाइत अछि ।[२] ई डेक्कन वास्तुशिल्पक आधारमे निर्माण कएल गेल अछि ।[३]

गोल गुम्बद
ಗೋಲ ಗುಮ್ಮಟ
गोल गुम्बद
गोल गुम्बज कर्नाटकपर अवस्थित
गोल गुम्बज
कर्नाटकमे स्थान
निर्देशाङ्क१६°४९′४८.११″उ॰ ७५°४४′९.९५″पू॰ / १६.८३००३०६°N ७५.७३६०९७२°E / 16.8300306; 75.7360972
स्थानविजयपुर, कर्नाटक, भारत
डिजाइनरदाबुल का याकुत
प्रकारमकबरा
सामग्रीगहन सलेटी बेसाल्ट
उचाई५१ मीटर
आरम्भ तिथिसन् १६२६
समापन तिथिसन् १६५६
Dedicated toमुहम्मद आदिल शाह
अन्य नाम गोल गुम्बद


वास्तु सम्पादन करी

एकर संरचनाक मूलमे ४७.५ मिटर (१५६ फिट) क भुजासभ भेल एक घन अछि, जकर उपरस्थ ४४ मी (१४४ फिट) बाहरी व्यास भेल एक विशाल गुम्बद अछि । दो समान कोण पर घूमैत चतुर्भुजसभसँ बनल एक-दोसरकें कटैत आठ मेहराबसभसँ गुंथल ई गुम्बदीय त्रिभुज-कोण बनैत अछि ई गुम्बदकें उठेनाए अछि । ई घन चार कोणसभ पर गुम्बदनुमा छतरीसँ ढकल अष्टकोणीय सप्त-तलीय अट्टालिका या मिनारसँ बनल अछि । एकर भितर सीढ़िसभ सेहो अछि ।[३] ई प्रत्येक मीनारसभक ऊपरी तल पैग गुम्बदकें घेरैत एक गलीमे खुलैत अछि । मकबराक मुख्य कक्षक भीतर चारो दिस सीढ़िसभसँ घेरल एक चौकोर चबूतरा अछि । ई चबूतराक मध्य एक कब्रक पत्थर अछि, जकर नीचा एकर असल कब्र बनल अछि । आदिल शाही वंशक मकबरामे एहि प्रकारक एकमात्र उदाहरण छी । उत्तरी दिसक मध्यमे, एक वृहत अर्ध-अष्टकोणीय आकार बाहर दिस निकलैत अछि ।[३] १,७०० मी (१८,००० वर्ग फिट),[४] क्षेत्रफलक आधारमे ई मकबरा विश्वक सबसँ पैग एकल-कक्ष आ बिना कोनो मध्य आधार वाला निर्माण छी ।

मकबराक गुम्बदक आन्तरिक परिधि पर एक गोलाकार गलियारा बनल अछि, जकरा अङ्ग्रेज व्हिस्परिङ ग्यालेरी अर्थात फुस्फुसाबै वाला गलियारा नाम देनए अछि । ई गलियाराक निर्माणमे प्रयुक्त ध्वनि-विज्ञानक वास्तुमे सम्मिलनक कारण एतय कनिको फुस्फुसाएल एको शब्द एकर व्यासक ठीक दोसर दिस एकदम स्पष्ट सुनाएल दैत अछि । [४]


चित्र दीर्घा सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "गोल गुम्बज़"Hinkoj.com। Hinkoj.com। अन्तिम पहुँच 3 अगस्त 2014
  2. "Gumbad (Gumbad) meaning in English"Hinkoj.com। Hinkoj.com। अन्तिम पहुँच 3 August 2014
  3. ३.० ३.१ ३.२ Michell, George; Zebrowski, Mark (1999). Architecture and Art of the Deccan Sultanates. The New Cambridge History of India. I.8. Cambridge, UK: Cambridge University Press. pp. 92–4. आइएसबिएन 0-521-56321-6. https://books.google.com/books?id=aHcfv6zkJgQC&pg=PR92. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 September 2011. 
  4. ४.० ४.१ भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभाग (2011)। "ग्प्ल गुम्बज़, बीजापुर"भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभाग। भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभाग। अन्तिम पहुँच 14 सितंभ्र 2011 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी