गोरखपुर उत्तर प्रदेश राज्यक पूर्वी भागमे नेपालक साथ सीमाक पास स्थित भारतक एक प्रसिद्ध शहर छी। ई गोरखपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय सेहो छी। ई एक धार्मिक केन्द्रक रूपमे मशहूर अछि जे बौद्ध, हिन्दू, मुस्लिम, जैनसिख सन्तसभक साधनास्थली रहल। मुदा मध्ययुगीन सर्वमान्य सन्त गोरखनाथक बाद हुनकर नाम पर एकर वर्तमान नाम गोरखपुर राखल गेल। एतय के प्रसिद्ध गोरखनाथ मन्दिर अखनो नाथ सम्प्रदायक पीठ छी। ई महान सन्त परमहन्स योगानन्दक जन्म स्थान सेहो छी। ई शहरमे आर बहुतेक ऐतिहासिक स्थलसभ अछि जना, बौद्धसभक घर, इमामबाड़ा, १८अम सदीक दरगाह आ हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभक प्रमुख प्रकाशन संस्थान गीता प्रेस

गोरखपुर
गोरखपुर
Gorakhpur
महानगर
गोरखनाथ मठ, तारामण्डल, गीता प्रेस
देशभारत
राज्यउत्तर प्रदेश
जिलागोरखपुर
सरकार
 • गोरखपुर (संसदीय क्षेत्र)योगी आदित्यनाथ (भाजपा)
क्षेत्रफल
 • महानगर५४८४ किमी (२११७ वर्गमाइल)
उन्नतांश
८४ मिटर (२७६ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल६७३४४६[१]
भाषासभ
 • आधिकारिकहिन्दी, भोजपुरी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
२७३०xx
टेलिफोन कोड+९१-५५१
सवारी दर्ताUP 53
लिङ्ग अनुपात१०००/९४४ /
औषत तापक्रम२६ °से (७९ °फे)
औषत गर्मी तापक्रम४० °से (१०४ °फे)
औषत ठण्डी तापक्रम१८ °से (६४ °फे)
वेबसाइटgorakhpur.nic.in

२०अम सदीमे, गोरखपुर भारतीय स्वतन्त्रता आन्दोलनक एक केन्द्र बिन्दु छल आ आई ई शहर एक प्रमुख व्यापार केन्द्र बनि चुकल अछि। पूर्वोत्तर रेलवेक मुख्यालय, जे ब्रिटिश कालमे बङ्गाल नागपुर रेलवेक रूपमे जानल जाइत छल, एतय स्थित अछि। आब एकरा एक औद्योगिक क्षेत्रक रूपमे विकसित करैक लेल गोरखपुर औद्योगिक विकास प्राधिकरण (गीडा/GIDA) क स्थापना पुरान शहरसँ १५ किमी दूर कएल गेल अछि।

इतिहास सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Gorakpur population"

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी