इलाम नगरपालिका (English:  Ilam Municipality) नेपालक मेची अञ्चलक इलाम जिलामे अवस्थित एक नगरपालिका छी । नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र अन्तर्गतक मेची अञ्चलमे रहल इलाम जिलाक निर्वाचन क्षेत्र नं. ३ कऽ पहाडी भेगमे स्थापित इलाम नगरपालिका बि.सं. १८७५ मे सदरमुकाम तथा गौडा होइत बि.सं. २०१५ मे नगरपालिका, बि.सं. २०१९ नगर पञ्चायत आ बि.सं. २०४७ मे पुनः नगरपालिका कऽ रुपमे कायम भेल अछि । इलाम नगरपालिकाक वार्ड बिभाजन १ सँ ९ धरि अछि । इलाम नगरपालिका एकटा पर्यटकीय नगरक रूपमे विकसित कएल गेल अछि आ भविष्यमे कोशी प्रदेशक सङ्घीय राज्यक राजधानीक रूपमा प्रस्तावित नगर छी । ई क्षेत्रमे पर्यटकीय पूर्वाधारक लेल विमानस्थल, जैविक विविधता युक्त विभिन्न पर्यटकीय स्थल, सभागृह आ शैक्षिक संस्थासभक व्यवस्थापन कार्य तीब्रतर गतिमे भऽ रहल अछि ।

इलाम नगरपालिका
Ilam, Nepal
देश नेपाल
अञ्चलमेची
जिलाइलाम
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल१९,४२७
समय क्षेत्रयुटिसी+5:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०२७
वेबसाइटhttp://ilam.municipality.gov.np ilam.municipality.gov.np

जनसंख्या सम्पादन करी

नेपालक सन् २०११ के जनगणना अनुसार इलाम नगरपालिकाक जनसंख्या १९,४२७ अछि।

चित्र दीर्घा सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी