आनन्दीबाई जोशी

भारतीय चिकित्सक (१८६५-१८८७)


आनन्दीबाई गोपालराव जोशी (मराठी: आनन्दबाई गोपालराव जोशी) (३१ मार्च १८६५ - २६ फरवरी १८८७) भारतीय महिलासभक प्रारम्भिक चिकित्सकसभमे सँ एक छल।[१][२]संयुक्त राज्यमे औषधीक २ सालक डिप्लोमाक साथ अध्ययन आ स्नातक कएल भारतीय मूलक पहिल महिला छल। ओ भारतक तरफसँ अमेरिकी भुमी पर टांग लगावे वाली पहिल महिला मानल जाइत अछि। हुनकर नामक वर्तनी के अनेकौं रूप अछि, जाहिमे शामिल अछि; आनन्दीबाई जोशी आ आनन्दी गोपाल जोशी।[३]

आनन्दीबाई जोशी
Anandibai Joshi
आनन्दीबाई जोशी, एम.डी., १८८६ के क्लास
जन्म
यमुना

(१८६५-०३-३१)३१ मार्च १८६५
मृत्यु२६ फरबरी १८८७(१८८७-०२-२६) (२१ वर्ष)
पुणे, बोम्बे प्रेजीडेन्सी, ब्रिटिश इन्डिया
संस्कार स्थलपकिप्सी, न्यूयोर्क, संयुक्त राज्य अमेरिका (एशेष)
मातृसंस्थामहिला मेडिकल कलेज अफ पेन्सिलवेनिया
जीवनसाथी(सभ)गोपालराव जोशी

जे समयमे महिलासभक शिक्षासँ दूभर छल, एहन समयमे विदेश जाके डाक्‍टरी के डिग्री हासिल केनाए अपना-आपमे एकटा उदाहरण छी। हुनकर विवाह नौ साल के अल्‍पायुमे हुनकासँ करीब २० साल पैग गोपालरावसँ भऽ गेल छल। जखन १४ साल के उमरमे ओ माँ बनल आ ओकर एकमात्र सन्तानक मृत्‍यु १० दिनमे ही गेल तँ हुनका बहुत बडका आघात लगल। अपन सन्तान के मृत्यु भऽ गेलाक बाद ओ ई प्रण केलक कि ओ एक दिन डाक्‍टर बनत आ एहन असमय मृत्यु के रोकवाक प्रयास करत। हुनकर पति गोपालराव सेहो हुनका भरपूर सहयोग देलक आ हुनकर हौसला के प्रोत्साहन केलक।

आनन्दीबाई जोशीक व्‍यक्तित्‍व महिलासभक लेल प्रेरणास्‍त्रोत छी। ओ सन् १८८६ मे अपन सपना के साकार रूप देलक। जखन ओ ई निर्णय लेनए छल, हुनकर समाजमे अधिक आलोचना भेल छल जे एकटा शादीशुदा हिन्दू स्‍त्री विदेश (पेनिसिल्‍वेनिया) जाके डाक्‍टरी के पढाई करत। मुद्दा आनन्दीबाई एक दृढनिश्‍चयी महिला छल आ ओ आलोचनासभक तनिक भी परवाह नै केलक। एही कारण अछि जे हुनका पहिल भारतीय महिला डाक्‍टर होए के गौरव प्राप्‍त भेल। डिग्री पूरा करै के बाद जखन आनन्दीबाई भारत फिर्ता आएल तँ हुनकर स्‍वास्‍थ्‍य बिगडि लगल आ बाईस वर्ष के अल्‍पायुमे ही हुनकर मृत्‍यु भऽ गेल। ई सच अछि जे कि आनन्दीबाई जे उद्देश्‍यसँ डाक्‍टरी के डिग्री लेनए छल, ओहीमे ओ पूर्ण रुपसँ सफल नै भऽ पाएल, मुद्दा ओ समाजमे ओ स्थान प्राप्त केलक, जे आई धरि सेहो एक उदाहरण अछि।[४]

सन्दर्भ सम्पादन करी

प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

चिकित्सा करियर सम्पादन करी

अमेरिकामे सम्पादन करी

भारत फिर्ता सम्पादन करी

ग्रन्थ सूची सम्पादन करी

विरासत सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "First lady doctor of India"The Telegraph। अन्तिम पहुँच 2016-05-01
  2. http://www.insa.nic.in/writereaddata/UpLoadedFiles/IJHS/Vol46_4_4_SKMajumdar.pdf
  3. "Historical Photos Depict Women Medical Pioneers"। Public Radio International। 12 July 2013। अन्तिम पहुँच 29 October 2013
  4. वेब दुनिया (हिन्दी), शीर्षक: आनंदी बाई जोशी : पहली भारतीय महिला डॉक्‍टर

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी