"विदेह आर्काइभ" विदेह (पत्रिका) पत्रिका द्वारा संचालित छै जाहिमे मैथिलीक पोथी-पत्रिका, आडियो, भीडियो, मिथिला चित्रकला/ आधुनिक चित्रकला आ चित्र मिथिलाक वनस्पति एवं जीव-जंतु, मिथिलाक जीवन आदिक क्रमशः पी.डी.एफ फाइल आ फोटो सभ देल गेल छै। एहि अर्काइभकेँ चित्र-शब्दकोश कही तँ गलत नै। [१]

मैथिली पोथी डाउनलोड Maithili Books Download सम्पादन करी

लगभग 400 पोथी एवं पत्रिकाक अंकक पी.डी.एफ फाइल एहिठाम राखल गेल अछि जकरा पाठक बिना कोनो कीतमकेँ डाउनलोड कऽ पढ़ि सकै छथि। ई एकटा विशिष्ट आनलाइन पुस्तकालय अछि। एहि पुस्तकालय केर मुख्य आकर्षण पंजी केर मूल पृष्ठ सभहँक स्पष्ट फोटो अछि। [२]

मैथिली ऑडियो संकलन Maithili Audio Downloads सम्पादन करी

एहि खंडमे मिथिलाक सभ जाति आ धर्मक संस्कार, लोकगीत आ व्यवहार गीत, ममता गाबय गीत (मैथिली फिल्म) , मैथिली लोकगीत एवं अन्यान्य आडियो राखल गेल अछि [३]

मैथिली वीडियोक संकलन Maithili Videos सम्पादन करी

एहि खंडमे समन्वय 2-4 नवम्बर 2012 इण्डिया हैबीटेट सेन्टर भारतीय भाषा महोत्सव केर वीडियो, विदेह सम्मान उर्फ  समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान समारोह एवं अन्याअन्य संस्था द्वारा मनाओल विद्यापति पर्वक भीडियो अछि [४]

मिथिला चित्रकला/ आधुनिक चित्रकला आ चित्र Mithila Painting/ Modern Art and Photos सम्पादन करी

एहि खंडमे मिथिलाक वनस्पति स्लाइड शो, मिथिलाक जीव-जन्तु स्लाइड शो, मिथिलाक जिनगी स्लाइड शो, श्वेता झा चौधरी, तुनिशा प्रियम , प्रीति ठाकुर, तूलिका, उमेश कुमार महतो आदिम मिथिला चित्रकला, कैलास कुमार मिश्र - यायावरी फोटो संगे-संग बहुत रास कर्यक्रमक फोटो सभ राखल गेल अछि [५]

संदर्भ सम्पादन करी

  1. http://videha.co.in/new_page_15.htm
  2. http://sites.google.com/a/videha.com/videha-pothi
  3. https://sites.google.com/a/videha.com/videha-audio/
  4. https://sites.google.com/a/videha.com/videha-video/
  5. https://sites.google.com/a/videha.com/videha-paintings-photos/