विकिपिडिया:मुख्य लेख/आवेदनसभ/जनक

जनक सम्पादन करी

जनक

जनक मिथिला देशक ऐतिहासिक राजा छी । जनक वैदिकक राजासबक उल्लेख केल जाएवाला नाम छी । वैदेह राजा ऋगवैदिक कालक नमी सप्याक नामसँ छलाह, यज्ञ करैत सदेह स्वर्ग गेलाह, ऋगवेदमे वर्णन अछि । ओ इन्द्रकसंग देलन्हि असुर नमुचीक विरुद्ध आ ताहिमे इन्द्र हुनका बचओलन्हि । शतपथ ब्राह्मणक विदेघमाथव आ पुराणक निमि दुनू गोटेक पुरोहित गौतम छथि से दुनू एके छथि आ एतएसँ विदेह राज्यक प्रारम्भ। माथवक पुरहित गौतम मित्रविन्द यज्ञक/ बलिक प्रारम्भ कएलन्हि आ पुनः एकर पुनःस्थापना भेल महाजनक-२ क समयमे याज्ञवल्क्य द्वारा । निमि गौतमक आश्रमक लग जयन्त आ मिथि -जिनका मिथिला नामसँ सेहो सोर कएल जाइत छन्हि, मिथिला नगरक निर्माण कएलन्हि। निमीक जयन्तपुर वर्तमान जनकपुरमे छल, मिथीक मिथिलानगरीक स्थान एखन धरि निर्धारित नहि भए सकल अछि, अनुमानित अछि जनकपुरक लग । सीरध्वज जनक सीताक पिता छथि आ एतयसँ मिथिलाक राजाक सुदृढ़ परम्परा देखबामे अबैत अछि। कृति जनक सीरध्वजक बादक १८म पुस्तमे भेल छलाह । कृति हिरण्यनाभक पुत्र छलाह आ जनक बहुलाश्वक पुत्र छलाह । याज्ञवलक्य हिरण्याभक शिष्य छलाह, हुनकासँ योगक शिक्षा लेने छलाह। कराल जनक द्वारा एकटा ब्राह्मण युवतीक शील-अपहरणक प्रयास भेल आ जनक राजवंश समाप्त भs गेल । (पूरा लेख...)

प्रमुख लेख समन्वय समितिके सदस्यद्वारा

   * उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आर मुख्य लेख के लेल चुनल जाएके लेल मतदान के लेल सिफारिस करए छी । --तुल्सी भगत (वार्तालाप) १३:३०, १ दिसम्बर २०१५ (NPT)

* उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आर समर्थनक आधारमें मुख्य लेख के लेल चुनल जाएत अछि । --तुल्सी भगत (वार्तालाप) १३:३०, १ दिसम्बर २०१५ (NPT)

 समर्थन सम्पादन करी

  1. आवेदनकर्ताके रूपमें  समर्थन --तुल्सी भगत (वार्तालाप) १३:३०, १ दिसम्बर २०१५ (NPT)
  2.  समर्थन --बिप्लब आनन्द (वार्ता) १४:१८, १ दिसम्बर २०१५ (NPT)

असमर्थन सम्पादन करी

बातचित सम्पादन करी