महिला सम्पादनथन २०१८ मैथिली विकिपिडियामे उल्लेखनीय महिलासभक लेख तथा पृष्ठसभक अभिवृद्धि करवाक लेल सम्पादन कएल जाएवाला अनलाइन तथा अफलाइन प्रतियोगिता छी । ई प्रतियोगिता मैथिली विकिमिडियन्ससभद्वारा आयोजित नारी सम्मानमे समर्पित मैथिली विकिपिडिया पर तेसर संस्करणक प्रतियोगिता छी जे सन् २०१८ मार्च ०८ सँ मार्च २२ धरि पन्ध्र दिनक लेल आयोजित प्रतियोगिता छी । महिला सम्पादनथन प्रतियोगिताक पहिल संस्करणक आयोजन सन् २०१५ मे कएल गेल छल । ई प्रतियोगिताक मुख्य उद्देश्य मैथिली विकिपिडियामे महिला सहभागिता बढेनाए, मैथिली विकिपिडियामे महिला सम्बन्धित उल्लेखनीय लेखसभ वृद्धि करनाए, मैथिली विकिपिडियाक स्तर अभिवृद्धि करनाए तथा मैथिली विकिपिडियामे मैथिली भाषी प्रयोगकर्तासभके वृद्धि करनाए अछि । ई प्रतियोगिता आयोजनक सफलताक लेल सम्पूर्ण मैथिल भाषी विकिपिडियन्स लोकनि आतुर रहैत अछि । प्रतियोगितामे सभसँ बेसी स्वीकृत लेख निर्माणकर्ताक लेल विशेष पुरस्कार सहित प्रमाण पत्रक व्यस्था कएल गेल अछि ।
आयोजन समितिक सदस्यसभ
ई प्रतियोगिताक आयोजन समितिक सदस्यसभक नाम निम्नानुसार अछि :-