विकिपिडिया:प्रबन्धक
नोट:ई पृष्ठ मैथिली विकिपिडिया पर प्रबन्धक अधिकार आ ई पदक लेल आवश्यक मापदण्डसभक सम्बन्धमे जानकारी दैत अछि। यदि अहाँ स्वयंके या कोनो अन्य सदस्यके प्रबन्धक पदक लेल नामाङ्कित करैलेल चाहैत छी तँ ई पृष्ठ पर जाए। |
प्रबन्धक अङ्ग्रेजीमे (Administrators) जकरा एडमिन्स वा सिसप (सिस्टम चलेनिहार व्यक्ति) सेहो कहल जाइत अछि । प्रबन्धक विकिपिडियाक ओ सम्पादक सदस्य छी जकरा विकिपिडिया सिस्टमके किछ जरूरी तथा प्रतिबन्धित टुल्स या विशेष आदेशसभक काजमे लेवाक अनुमति रहैत अछि। जेना:- प्रबन्धक कोनो लेख वा पृष्ठके मेटा सकैत अछि, आन कोनो बर्बरता फैलाबै वाला प्रयोक्ताके प्रतिबन्धित कऽ सकैत अछि । कोनो लेख तथा पृष्ठके रक्षित कऽ सकैत अछि ।
प्रबन्धक पद नितान्त स्वयंसेवा कार्य छी जे सामुदायिक समीक्षा प्रक्रियाबाद देल जाइत अछि । ओ सभ विकिमिडिया फाउन्डेसनक कर्मचारी जका व्यवहार नै करि सकैत अछि । प्रबन्धकीय उपकरण कोनो फायदाक लेल प्रयोग नै कएल जा सकैत अछि ।
मैथिली विकिपिडियामे वर्तमानमे ५ प्रबन्धक अछि (देखी पूर्ण प्रबन्धक सूची) ।
प्रबन्धक योग्यता
सम्पादन करीप्रबन्धक निम्न प्राविधिक काज करैलेल योग्य होइत अछि:
- प्रयोगकर्ता खाता आ आइपी ठेगानसभक सम्पादन करि लेल अवरोध कऽ सकैत अछि ।
- कोनो विकिपिडियाक पृष्ठके रक्षण करि सम्पादन प्रतिबन्ध कऽ सकैत अछि ।
- ५,००० वा ओहि सँ नीचा अवतरण भेल पृष्ठ मेटाए सकैत अछि ।
- कारी सूचीमे रहल शीर्षक अधिलेखन कऽ सकैत अछि ।
- कोनो भी पृष्ठ लक्षित नाम पर स्थानान्तरण कऽ सकैत अछि ।
- पूर्ण संरक्षित पृष्ठ सम्पादन कऽ सकैत अछि ।
- कोनो भी मेटाएल पृष्ठ पुनर्स्थापना वा देख सकैत अछि ।
- अवतरण नुकाए या मेटाए सकैत अछि ।
- प्रबन्धक उपकरण सूचीमे रहल आन काज कऽ सकैत अछि ।
प्रबन्धक पदक लेल आवश्यकतासभ
सम्पादन करीप्रत्येक विकिमिडिया परियोजना (अन्य विकिपिडियासभमे) प्रबन्धक पदक लेल नीति होइत अछि । |
विकिपिडियाक अनुसार कोनो तय नियम नै अछि जाहिमे कि कोई प्रबन्धक बनि सकैत अछि या नै । कियो प्रयोगकर्ता प्रबन्धक पदक लेल आवेदन करि सकैत अछि । आवेदकक पूर्वमे विकिपिडिया पर अनुभवक बदला एतय ओ प्रयोगकर्ता पर विश्वास होनाए अधिक आवश्यक अछि । मुदा तबो आवेदकद्वारा पूर्वमे केल गेल कार्यसभक महत्व तँ अछि । मैथिली विकिपिडियामे कियो प्रयोगकर्ता प्रबन्धक पदक लेल आवेदन कऽ सकैत अछि मुदा ओहि लेल प्रयोगकर्ताके निम्न चरणसभक आवश्यकता पहुँचाबै पडत ।
- विकिपिडियाक बारेमे जानकारी राखैक संगे पृष्ठसभके सम्पादन, अनुप्रेषण, फाइल लोकेट, श्रेणीकरण, आकृतिक प्रयोग इत्यादी काम करिमे दक्ष होमए पडत ।
- विकिपिडियामे खाता खोलि कम सँ कम ४०००+ सम्पादन केल होमए पडत ।
- मैथिली भाषाक संग अन्य भाषासभक जानकार भेल व्यहोरा देखाबैवाला आकृतिसभ अपन प्रयोगकर्ता पृष्ठमे राखै पडत ।
- विकिपिडियामे खाता बनाएल कम सँ कम ६ महिना पहुँचल होमए पडत ।
- उपरोक्त योग्यतासभ पुरा केनिहार कियो सक्रिय प्रयोगकर्ता एतय जाए अपन उम्मेदवारी फारम भरि आवेदन कऽ सकैत अछि ।
- उपरोक्त आवेदन केनिहार आवेदकके प्रबन्धक बनाएल जाए आ नै बनाएल जाए बिषयमे आन प्रयोगकर्तासभ वार्ताक संगे आवेदकक निवेदन पर समर्थन अथवा बिरोध कऽ सकैत अछि ।
- आवेदक अन्य प्रयोगकर्तासभके अपना लेल समर्थन करि लेल सन्देश भेज सकैत अछि ।
- उपरोक्त कार्यसभ पूर्ण भेला पर आवेदकक पक्षमे ८०% प्रयोगकर्ता समर्थन भेलापर प्रशासक आवेदकके प्रबन्धक बनाए सकैत अछि ।
प्रबन्धक सूची
सम्पादन करीमैथिली विकिपिडियामे सक्रिय प्रबन्धकसभ सूची निम्नानुसार अछि ।
This is the list of Admin on Maithili Wikipedia. | |
प्रयोगकर्ता पृष्ठ (Userpage) | वार्ता पृष्ठ (Talkpage) |
बिप्लब आनन्द | |
तुल्सी भगत | |
पंकज देव | |
निलम कर्ण |