वाङ जियानलिन (चिनियाँ: 王健林; पिनयिन: Wáng Jiànlín; जन्म अक्टोबर २४, १९५४) एक चिनियाँ व्यवसायी आ समाजसेवी छी । ओ डालियान वान्डा समूहक संस्थापक आ अध्यक्ष छी तँ ओ चीनक सभसँ अधिक अचल सम्पत्ति डेभलपरक साथ ही संसारक सभसँ बड्का चलचित्र थिएटर सञ्चालक समेत छी ।[२] ओ स्पेनक फुटबल क्लब एट्लेटिको म्याड्रिडक २० प्रतिशत शेयरके शेयरधनी समेत छी। [३] ओ एसिया महाद्विपक सभसँ धनी व्यक्ति छी । [४] हुनका अपन १२५ टा सपिङ मल आ ६८ टा पाँचतारे होटल अछि । हुनकर वान्दा सिनेमा लाइन, चीनक सभसँ पैग मुभी थिएटर चेन छी । [५]

वाङ जियानलिन
Wang Jianlin
王健林
डालियानक वार्षिक भेलामे वाङ जियानलिन
जन्म (१९५४-१०-२४) अक्टुबर २४, १९५४ (उमर ६९)
राष्ट्रियताचिनियाँ
शिक्षालियोनिंग विश्विविद्यालय
सङ्गठनडालियान वान्डा समूहक संस्थापक तथा अध्यक्ष
जमा सम्पति२९.२ अर्व अमेरिकी डलर[१]
राजनीतिक दलकम्युनिष्ट पार्टि चीन
जीवनसाथी(सभ)लिन निंग
बालबच्चावांग सिकोंग


प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

वाङ जियानलिनक जन्म अक्टोबर २४, १९५४ मे क्याङ्गझी काउन्टी, गुवाङ्गयुआन, सिचुआन, चीनमे भेल छल । हुनकर बुबा माओत्से तुङक जनमुक्ति सेनाक लेल लम्बा मार्चक (अक्टोबर १९३४–अक्टोबर १९३५) दौरान लडल छल ।

पेशागत जीवन सम्पादन करी

जनमुक्ति सेनमे १६ वर्ष पश्चात वांग झिगांग जिल्लाक डालियान शहरमे प्रशासन कार्यालयमे काम शुरू केने छल ।[६] सन् १९८९ मे, ओ झिगांग आवासिय विकासक महा प्रबन्धक भेल छल । ओ जियांगयिनक कारखानाक कारखाना प्रमुख छल । सन् १९९२ मे ओ डालियान वान्डा समूहक महाप्रबन्धकक रूपमे कार्य शुरू केने छल तँ ओ सन् १९९३ मे कार्यकारी प्रमुख भेल छल। ओ जियांगसु जियांगनान पानी कम्पनीमे सेहो कार्यकारी नायब महाप्रबन्धक तथा सञ्चालक रूपमे कार्य करैत छल । <ref name="reuters">[http://www.reuters.com/finance/stocks/officerProfile?symbol=601199.SS&officerI



सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. एजेन्सिज (३१ डिसेम्बर २०१६/२०१६)। "सनकी अर्बपतिहरू"। कान्तिपुर। {{cite news}}: |access-date= requires |url= (help); Check date values in: |accessdate=|date= (help)
  2. Profile of Wang Jialin, Forbes, March 2013
  3. "Atletico Madrid: China's Wang Jianlin buys 20% stake - BBC News"BBC News (ब्रिटिश अंग्रेज़ीमे)। अन्तिम पहुँच 2016-04-26
  4. "The 10 richest people in Asia"Business Insider (ब्रिटिश अंग्रेज़ीमे)। अन्तिम पहुँच 2016-08-11
  5. एजेन्सिज (३१ डिसेम्बर २०१६/२०१६)। "सनकी अर्बपतिहरू"। कान्तिपुर। {{cite news}}: |access-date= requires |url= (help); Check date values in: |accessdate=|date= (help)
  6. "Biography of Wang Jianlin", World Economic Forum


बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी