लोकसेवा आयोग वि.सं. २००७ सालमे नेपालमे प्रजातन्त्रक स्थापना साथे निजामती कर्मचारीक नियुक्ति अलगे आर स्वतन्त्र निकायसँ करैक उद्देश्यसँ वि.सं. २००८ साल असार १ (तदनुसार १५ जुन १९५१ इस्वी) गते लोक सेवा आयोगक स्थापना भेल अछि । ई आयोग निजामती सेवाक पदमे उपयुक्त उम्मेदवार छनौट करैवाला कार्य करैत अछि ।

लोकसेवा आयोग नेपाल
छोट नामपिएससी
स्थापना१५ जुन १९५१ (1951-06-15) (७२ वर्ष पहिने)
प्रकारसरकारी
कानुनी अवस्थासंबैधानिक निकाय
उद्देश्यपदपूर्ति
मुख्यालयकाठमाडौं, नेपाल
क्षेत्र विस्तार
नेपाल
अध्यक्ष
उमेश प्रासाद मैनाली
कर्मचारी
१६००
वेबसाइटOfficial Web site

नेपाल अधिराज्यक संविधान, २०४७ सेहो लोक सेवा आयोगक एक स्वतन्त्र संवैधानिक निकायक रूपमे स्वीकार करने अछि । वही संविधानक धारा १०१ आयोगक एक अध्यक्ष आर आवश्यकता अनुसार अन्य सदस्यसभ रहै तेहन लोक सेवा आयोगक गठन होएवाला व्यवस्था कएल गेल अछि । आयोगक अध्यक्ष आर सदस्यसभ ६ वर्षक लेल नियुक्ति करैक व्यवस्था संविधानमे व्यवस्था कएल गेल अछि । आयागेक अध्यक्ष तथा सदस्यसभक सर्वोच्च अदालतक न्यायाधीश सरह समान आधारमा आर समान तरिकासँ अपन पदसँ हटाब सकत ।

इतिहास सम्पादन करी

नेपाल सरकारक वैधानिक कानून, २००४ मे सरकारी नोकरीक लेल उम्मेदवारसभक दरखास्त आएल योग्यता या ल्याकत जाँचबुझ करि सरकारमे सिफारिस कर दरखास्त परिषद्क व्यवस्था भेल देखलाक बाद वि.सं. २००८ सालमे भेल प्रजातान्त्रिक व्यवस्थाक सुरूवात बाद लोक सेवा आयोगक कमी महसुस भएल । एहि क्रममे नेपालक अन्तरिम शासन विधान, २००७क धारा ३७मे व्यवस्था भेल अनुसार वि.सं. २००८ असार १ गते नेपाल पब्लिक सर्भिस कमिसनक नामसँ विधिवत रूपमे लोक सेवा आयोगक स्थापना भेल अछि ।

काम, कर्तव्य आर अधिकार सम्पादन करी

नेपालक अन्तरीम संविधान, २०६३ अनुसार लोकसेवा आयोगक काम, कर्तव्य आर अधिकार एहि प्रकार अछि :

  1. निजामति सेवाक पदसभमे नियुक्तिक लेल उपयुक्त उम्मेदवार छनौट करि परीक्षासभ सञ्चालन करै ।
  2. देहायक विषयमे नेपाल सरकार लोक सेवा आयोगक परामर्श लेब परै व्यवस्था संविधानमे कएल गेल अछि ।
    1. निजामति सेवाक शर्त सम्बन्धी कानूनक विषयमे,
    2. निजामति सेवा पदमे नियुक्ति, बढुवा आर विभागीय कारवाही करैत बेर अपनाबवाला सिद्धान्तक विषयमे,
    3. निजामति पदमे ६ महिनासँ बेसी समयक लेल नियुक्ति करैत बेर उम्मेदवारक उपयुक्तताक विषयमे ।
    4. कोनो एक प्रकारक निजामति सेवाक पदसँ दोसर प्रकारक निजामति सेवाक पदमेया अन्य सरकारी सेवाबसँ निजामति सेवामे बदली या बढुवा करैत बेर उम्मेदवारक उपयुक्तताक विषयमे,
    5. आयोगक परामर्श लेब नै परै अवस्थाक पदमे बहाल रहल कर्मचारीक आयोगक परामशर् लेब परै अवस्थाक पदमे स्थायी बदली या बढुवा करैक विषयमे ।
    6. कोनो भि निजामति कर्मचारीक देबवाला विभागीय सजायक विषयमे
  3. कोनो एक प्रकारक निजामति सेवाक पदसँ दोसर प्रकारक निजामति सेवाक पदमे या अन्य सरकारी सेवासँ निजामति सेवामे बदली या बढुवा करैत बेर उम्मेदवारक उपयुक्तताक विषयमे,
  4. आयोगक परामर्श लेब नै परै अवस्थाक पदमे बहाल रहल कर्मचारीक आयोगक परामशर् लेब परै अवस्थाक पदमे स्थायी बदली या बढुवा करैक विषयमे ।
  5. कोनो भि निजामति कर्मचारीक देबवाला विभागीय सजायक विषयमे ।
  6. आयोगक अन्य काम, कर्तव्य आर कार्यविधि संविधानक अधिनमे रहि कानूनद्वारा निर्धारण भेल अनुसार होएत ।
  7. प्रत्येक वर्ष लोक सेवा आयोग अपन कएल कामक वार्षिक प्रतिवेदन संसद समक्ष पेश करत ।

निकायक संरचना सम्पादन करी

नेपालक अन्तरिम संविधान २०६३ क धारा १२५ अनुसार ई निकायमे एक आदमी अध्यक्ष तथा चाहल अनुसार सदस्य राखवाला ब्यबस्था कएल गेल अछि । हाल ई संगठनमे पदासिन रहल सदस्यसभ एहि प्रकार अछि :-

  • उमेश प्रसाद मैनाली, माननीय अध्यक्ष
  • श्री टिकादत्त निरौला, माननीय सदस्य
  • प्राचार्य कृष्ण प्रसाद पोख्रेल, माननीय सदस्य
  • श्री राजेन्द्र प्रसाद साह, माननीय
  • श्री नाथु प्रसाद चौधरी, सचिब

क्षेत्रीय निदर्शेनालय आर अञ्चल कार्यालयसभ सम्पादन करी

क्षेत्रीय निर्देशनालयहरू सम्पादन करी

अञ्चल कार्यालयसभ सम्पादन करी

सम्पर्क पता सम्पादन करी

लोक सेवा आयोग
केन्द्रीय कार्यालय
अनामनगर, काठमाडौं,
पोष्ट बक्स नं. : ८९७९
फोन : ४७७१४८८, ४७७१४८१, ४७७१४९४, ४७७१५२८
फ्याक्स : ४७७१४९०
ईमेल : info@psc.gov.np

आधिकारिक वेबसाइट सम्पादन करी

www.psc.gov.np