राबड़ी देवी (जन्म: १९५६ गोपालगञ्ज) स्वतन्त्र भारतक बिहार राज्यक पहिल महिला मुख्यमन्त्री छी।[१]राष्ट्रिय जनता दलक अध्यक्ष लालू प्रसाद यादवक पत्नी राबड़ी देवी २५ जुलाई १९९७ कें दिन बिहारक मुख्यमन्त्री ओहि समय बनल जब बहुचर्चित चारा घोटाला मामलामे हुनकर पतिकें जेल जाए पड़ल । ओ तीन कार्यकालमे मुख्यमन्त्री पद सम्भाललक । मुख्यमन्त्रीकें रूपमे हुनकर पहिल कार्यकाल मात्र २ वर्षक रहल जे सन् १९९७ जुलाई ७ सँ सन् १९९९ नवम्बर २ धरि चल सकल । दोसर आ तेसर कार्यकालमे ओ मुख्यमन्त्रीकें रूपमे अपन पाँच सालक कार्यकाल पूरा केनए छल । हुनकर दोसर आ तेसर कार्यकाल क अवधि क्रमशः सन् १९९९ मार्च ९ सँ सन् २००० फरबरी ३ धरि आ सन् २००० मार्च ११ सँ सन् २००५ मार्च ६ धरि रहल । सन् २००५ मे भेल विधानसभा चुनावमे राबड़ी देवी वैशालीकें राघोपुर क्षेत्रसँ निर्वाचित भेल छल ।

राबड़ी देवी
Rabri Devi
Rabri Devi.jpg
२१अमव बिहारक मुख्यमन्त्री
कार्यकाल
२०००-२००५
पूर्वाधिकारीनीतीश कुमार
उतराधिकारीराष्ट्रपति शासन
कार्यकाल
१९९८-१९९९
पूर्वाधिकारीराष्ट्रपति शासन
उतराधिकारीनीतीश कुमार
कार्यकाल
१९९९-२०००
पूर्वाधिकारीलालू प्रसाद यादव
उतराधिकारीराष्ट्रपति शासन
व्यक्तिगत विवरण
जन्मसन् १९५६
गोपालगञ्ज, बिहार
राष्ट्रियताभारतीय
राजनीतिक दलराष्ट्रिय जनता दल
जीवन साथी(सभ)लालू प्रसाद यादव
निवासपटना


जीवनीसंपादित करें


सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

  1. "Rabri Devi", Hindustan Times, ७ फ़रवरी २००५, मूलसँ ३० सितंबर २००७-मे सङ्ग्रहित। 

बाह्य जडीसभसंपादित करें

एहो सभ देखीसंपादित करें