यादव खरेल चलचित्र निर्देशक एवम् साहित्यकार छी। गीत, मुक्तक, नियात्रा, कविता आदि विधामे विशेष सामर्थ्य प्रस्तुत क चुकल खरेल चलचित्रक निर्देशक, निर्माता तथा लेखकक रूपमे अत्यन्त चर्चित अछि।

यादव खरेल
तस्वीर उपलब्ध छ
जन्मवि.सं. १९९९
पेशाचलचित्र निर्देशक, लेखक
राष्ट्रियतानेपाली

जीवनी सम्पादन करी

यादव खरेलक जन्म वि.सं. १९९९ साल फागुन् १२ गते मङ्लबार तदनुसार कृष्णपक्ष तृतीया तिथिक दिन बागमती अञ्चलक काभ्रेपलाञ्चोक अन्तर्गत पडैवाला खरेलथोक कहिक ठाममे पिता गोपीकृष्ण खरेल तथा माता सरस्वती खरेलक तृतीय सन्तानक रूपमे भेल अछि। इनकर चठीहारक नाम पद्मनाथ खरेल छी। विद्यालय आदिक प्रमाणपत्रसभमे सेहो एही नाम रहल मुदा कोनो दिन नाट्य सम्राट बालकृष्ण सम प्रसङ्गवश हँसीमज्जाकमे जिस्कावै क बाद ओ अपन नाम बदलि यादव रखने छल। यादव खरेलक एक दिदी अम्बिकादेवी, एक दाजु श्यामकृष्ण खरेल, दुई भाईसभ रामकृष्ण खरेल आ अच्युतकृष्ण खरेल तथा दुई बहिनसभ गीता आ सीता अछि। यादव खरेल अखन काठमाडौंक कुमारीगालमे बसोबास करैत अछि। बाल्यावस्थामे ओ कहियो काठमाडौं कहियो खरेलथोक आ कहियो तराईमे बसोबास करैत छल। ओ अर्थशास्त्रमे एम. ए., बि. एल. तथा बेलायतक लण्डन फिल्म स्कूलसँ डिप्लोमा केनए अछि। ओ रेडियो नेपालमे काम केनए छल। पढाइक सिलसिलामे बेलायत पहुँचल खरेल सन् १९६९मे खुलल बीबीसी नेपाली सेवामे सेहो किछु समय काम केलक।

मौलिक कृति सम्पादन करी

विभिन्न पत्र-पत्रिका, रेडियोमे कथा, निबन्ध, कविता, गीत आ अन्वेषणात्मक लेखसभ प्रकाशित अछि। उनकर प्रकाशित कृतिसभ

१) अनि एउटा लहर ब्यूँझन्छ (कविता)
२) यादव खरेलका मुक्तकहरू (मुक्तक, वि. सं. २०३०)
३) समुन्द्रपारी (नियात्रा)
४) खलबल (हाँस्यव्यङ्ग्य कृति)
५) यस्तो पनि हुँदा रहेछ
६) यस्तै रहेछ यहाँको चलन

चलचित्र निर्देशन सम्पादन करी

खरेलद्वारा निर्देशित चलचित्रसभ निम्न अछि:

१) आदिकवि भानुभक्त
२) प्रेमपिण्ड
३) श्री स्वस्थानी
४) चेलीबेटी
४) लोभीपापी

पुरस्कार, मान, सम्मान, पदक सम्पादन करी

ओ जे सम्मान पावने छल ओ निम्न अछि:

१) रत्नश्री स्वर्ण पदक
२) वासु शशी स्मृति सम्मान

भ्रमण सम्पादन करी

अमेरिका, बेलायत, फ्रान्स, जर्मनी, स्पेन, बेल्जियम, लक्जेम्बर्ग, स्विजरल्याण्ड, जापान, मेक्सिको, केन्या, चीन, दक्षिण कोरिया, इन्डोनेशिया, फिलिपिन्स, सिंगापुर, मलेशिया आदि देशक भ्रमण केनए अछि।


सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी