मिनीषा लाम्बा (अङ्ग्रेजी: Minissha Lamba, जन्म १८ जनवरी १९८५) एक भारतीय हिन्दी चलचित्र अभिनेत्री छी ।[२])

मिनीषा लाम्बा
Minissha Lamba
मिनीषा लाम्बा अप्पन जन्मदिवसक कार्यक्रममे
जन्म
मिनीषा लाम्बा
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००५–वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)रियान थाम (२०१५ सँ वर्तमान)[१]


शुरूआती जीवन सम्पादन करी

मिनीषा लाम्बा शेरवुड हाई स्कुलमे पढ़ाई केलक आ बादमे चेत्तीनाद विद्याश्रम चेन्नईमें पढ़ल छल । २००४ मे अङ्ग्रेजीमे स्नातक डिग्री दिल्लीक मिरान्डा हाउससँ केनए अछि ।

करियर सम्पादन करी

लाम्बा कऽ इच्छा पत्रकार बनबाक छल । दिल्लीमे अपन डिग्री करैत काल हिनका एलजी, सोनी, कैडबरी, हाजमोला, एयरटेल, सनसिल्क आदिक विज्ञापनसभमे काम करबाक प्रस्ताव मिलल मुदा ओ कैडबरीक विज्ञापन छल जेकी हिनका प्रकाश्ज्योतमे लाबि खड़ा केलक । हिनका बलीवुड निर्देशक शूजित सिरकार द्वारा अपन फिल्म यहाँ (२००५)क लेल निमन्त्रित कएल गेल छल । ओ एहि प्रस्ताब स्वीकार करि अभिनय क्षेत्रमे यहाँ सँ शुरुआत केलक । समीक्षकसभ द्वरा हिनकर अभिनय कऽ खुब प्रशन्सा कएल गेल छल ।

सन् २००८ मे हिनका सिद्धार्थ आनन्दक फिल्म बचना ए हसीनो मे बिपाशा बसु, दीपिका पादुकोणरणबीर कपूरक संग मुख्य भूमिका निर्वाह केनए छल । एहि फिल्म कऽ यश राज फिल्म्स द्वारा निर्मित कएल गेल छल । हिनकर दोसर मुख्य किरदार श्याम बेनेगलक फिल्म वेल डन अब्बा (२०१०) मे छल जकर चर्चा काण फिल्म समारोहमे भेल छल । हिनका द्वारा कार्पोरेट, रकी: द रेबेल, अन्थोनी कौन है, हनीमून ट्रेवेल्स प्राइवेट लिमिटेड, अनामिका, शौर्यदस कहानियाँ मे सह-अदाकाराक भूमिका सेहो निर्वाह केनए छल ।

एहो सभ देखी सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "मिनिषा लांबा ने चोरी-चुपके की अपने बॉयफ्रेंड से शादी"। लाइव हिन्दुस्तान। ७ जुलाई २०१५।
  2. "Minissha Lamba to Skydive on her Birthday"। अन्तिम पहुँच 25 August 2013