मानवशास्त्र

(मनुष्य विज्ञानसँ पुनर्निर्देशित)

मानवशास्त्र, मनुष्य विज्ञान वा नृविज्ञान (अङ्ग्रेजी: Anthropology) मानव, ओकर जेनेटिक्स, संस्कृति आओर समाजक वैज्ञानिक आ समाजशास्त्रीय दृष्टिकोणक अध्ययन छी । एकर अन्तर्गत मनुष्यक समाजके अतीत आ वर्तमानके विभिन्न पहलुसभक अध्ययन कएल जाइत अछि । सामाजिक नृविज्ञानसांस्कृतिक नृविज्ञान के तहत मानदण्डसभ आ समाजके मूल्य मान्यता अध्ययन कएल जाइत अछि । भाषाई नृविज्ञान मे पढ़ल जाइत अछि कि कोना भाषा, सामाजिक जीवनकें प्रभावित करैत अछि । जैविक या शारीरिक नृविज्ञान मे मनुष्यके जैविक विकासक अध्ययन कएल जाइत अछि ।

बैङ्ककक फोरेन्सिक विज्ञान सङ्ग्रहालयमे मानवशास्त्रीय वस्तुसभ

नृविज्ञान एक विश्वव्यापी अनुशासन छी , जाहिमे मानविकी, सामाजिक आ प्राकृतिक विज्ञानकें एक दोसरकें सामना करैक लेल मजबूर कएल जाइत अछि । मानव विज्ञान, प्राकृतिक विज्ञानकें समेत मनुष्य उत्पत्ति, मानव शारीरिक लक्षण, मानव शरीरमे बदलाव, मनुष्य प्रजातिसभमे आयल बदलावसभ इत्यादिसँ ज्ञानक रचना करैत अछि ।

सामाजिक-सांस्कृतिक नृविज्ञान, संरचनात्मक आ उत्तर आधुनिक सिद्धान्तसभसँ पूर्ण तरहसँ प्रभावित भेल अछि ।

गुण सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी