मदनकुमार भण्डारी (वि.सं. २००९-२०५०) नेपालक राजनीतिज्ञ तथा नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत मार्क्सवादी-लेनिनवादी) कऽ नेता छल।

मदन भण्डारी
मदन भण्डारी
जन्म२००९ असार १४
मृत्यु२०५० जेठ ३
राष्ट्रियतानेपाली
मातृसंस्थाबनारस विश्वविद्यालय
व्यवसायराजनीति
प्रसिद्धि कारणजनताक बहुदलीय जनवाद
जीवनसाथी(सभ)विद्यादेवी भण्डारी


जनआन्दोलन २०४६मे बाम मोर्चासँ सक्रीय रहल भण्डारी नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (मार्क्सवादी-लेनिनवादी)मनमोहन अधिकारी द्वारा नेतृत्व कएल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (मार्क्सवादी) के एकीकरण कैरनेकपा (एमाले) गठन करै महत्त्वपूर्ण भूमिका खेलने छल । ओ प्रतिपादन केने बहुदलीय जनवादक नीति पछ्यातै नेकपा (एमाले) बहुलबादी राजनीतिमे अगाडी बइढ़ आम निर्वाचन २०४८मे भाग लऽ देशक प्रमुख प्रतिपक्षक रूपमे स्थापित भेल छल । लेनिन सबसँ पहिला संसारमे स्थापित कएल सोभियत समाजवाद असफल भऽ विश्व कम्यूनिष्ट आन्दोलन गम्भीर धक्का खाए समयमे सेहो माक्र्सवादक सिर्जनात्मक प्रयोग करैत नेपालमे जनताक बहुदलीय जनवादक सिद्धान्त प्रतिपादन केलक । [१]

सुरुवाती जीवन सम्पादन करी

मदनकुमार भण्डारीक जन्म २००९ साल आषाढ १४ गते जून २७, १९५२ मे [२] पूर्वाञ्चलक ताप्लेजुङ जिलाक ढुङ्गेसाँघुमे भेल अछी। पिता देवीप्रसाद भण्डारी आ माता चन्द्र कुमारीक माझला बेटाक रूपमे क्षेत्री परिवारमे भण्डारीक जन्म भेल । उनकर प्रारम्भिक शिक्षा जन्मथलोसँ सुरू भेल । वि.सं. २०१५ साल गाउँमे एकटा हिउँदे पाठशाला (जुन वर्षायाममे बन्द होएत छल) सँ औपचारिक शिक्षातर्फ प्रवेश करै भण्डारी अप्ठेरा पाठसभ भेल बाजुद दुईबेर अपन काम्मे परलावाद सदाके लेल कण्ठ करै सके आ बाल्यकालमै चण्डी कण्ठाग्र करैके लेल हुनका जिलाभर चर्चित भेल ।

राजनीतिक जीवन सम्पादन करी

२०२८ सालमे पुष्पलालसगक भेटपछा हुनका राजनीतिमे लागल छथि। २०२९ सालमे पुष्पलालक पार्टी जनवादी सांस्कृतिक मोर्चाक निर्माण केलक। तेकर अध्यक्षमे युद्धप्रसाद मिश्र आ महासचिव मोदनाथ प्रश्रीत छल तहिना भण्डारी केन्द्रीय सदस्य छल। २०३० सालमे पार्टीक पूर्णकालीन कार्यकर्ता भेल ।

व्यक्तिगत जीवन सम्पादन करी

उनकर विवाह -२०३९ सालमे ) विद्या पाण्डेसंग भेल । उषाकिरण आ निशाकुसुम नामक दुइटा बेटीसभ जन्मिएल ।

मृत्यु सम्पादन करी

बहुदलीय जनवादका ब्याख्याता भण्डारीक २०५० जेठ ३ गते चितवनक दासढुंगामे रहस्यमय दुर्घटनामे मृत्यु भेल छल । जीवराज आश्रितक मृत अवस्थामै गाडीमै शव भेटिएल छल मुदा मदन भण्डारीक घटनास्थलसँ बहुत नीचा नारायणी नदी किनारमे तिन दिन पछा लाश भेटिएल छल। [३]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी