भोज परमार वंश कऽ नव अम राजा छल । परमार वंशीय राजा मालवा कऽ राजधानी धारानगरी (धार) सँ आठअम शताब्दी सँ लऽ चौध अम शताब्दी पूर्वा तक राज्य केने छल । भोज बहुतसँ युद्ध केलक आ अपन प्रतिष्ठा स्थापित केलक जेस सिद्ध होएत अछि हुन्कामे असाधारण योग्यता छल । यद्यपि हुनकर जीवनक अधिकांश युद्धक्षेत्र मे बीतल तथा अपन राज्य क उन्नति मे कोनो प्रकार कऽ बाधा नै उत्पन्न होएदेलक। ओ मालवा कऽ नगर एवम ग्राममे बहुत सँ मन्दिर बनवालक , यद्यपि ओहिमे सँ अब बहुत कमक पता चलैत अछि ।

भोज
परमा-भट्टारका महाराजाधिराज परमेश्वरा
भोज Bhoja
राजा भोजक प्रतिमा भोपाल
माल्वा कऽ राजा
शासनकालc. 1010–1055 CE
पूर्वाधिकारीसिन्धुराजा
उत्तराधिकारी जयसिंह आइ
वंश परमारा
पितासिन्धुराजा

परिचय सम्पादन करी

राजा भोज मुन्ज कऽ छोट भाई सिन्धुराज कऽ पुत्र छल । रोहक हिनकर प्रधान मन्त्री आ भुवनपाल मन्त्री छल । कुलचन्द्र, साढ़ तथा तरादित्य हिनकर सेनापति छल जेकर सहायतासँ भोज राज्यसंचालन सुचारु रूप सँ केलक। अपने चाचा मुन्ज कऽ भाँति इ सेहो पश्चिमी भारतमे एक साम्राज्य स्थापित करै चाहैत छल आ ई इच्छा की पूर्ति कऽ लेल ओ अपन पड़ोसी राज्य सँ हर दिशा मे युद्ध करै पडल ।