Измир भूमध्य सागर पृथ्वीक एकटा सागर जे उत्तरी अफ्रीका, यूरोप, अनातोलिया तथा मध्य-पूर्वक बीचमे अवस्थित अछि। एकर क्षेत्रफल लगभग २५ लाख वर्गकिलोमीटर अछि जे भारतक क्षेत्रफलक लगभग तीन-चौथाई अछि। प्राचीन कालमे ग्रीक, अनातोलिया, कार्थेज, स्पेन, रोम, जेरुशलम, अरब तथा ईजिप्ट जहिना प्रदेश तथा नगरसभक बीच स्थित भेल कारण एकरा भूमध्य (धरतीक बीचक) सागर कहैत अछि। ई अटलांटिक महासागर संग जिब्राल्टर द्वारा जोडत अछि जे केवल १४ किलोमीटर चौडा एउटा जलडमरूमध्य छी।

Mediterranee 02 EN.jpg
Locatie Middellandse Zee.PNG

परिचयसंपादित करें

भूमध्य सागर जमिनसँ घेरियाक सागरसभ मध्ये महत्वपूर्ण एवम सबसँ पैग सागर छी। ई दक्षिण मे अफ्रीका, उत्तर मे यूरोप एवम पूर्वमे एशिया महाद्वीसँ घेरिएल अछि। एकर लम्बाई जिब्रॉल्टर सँ सिरिया तट तक २,२०० मील तथा उत्तर सँ दक्षिण कऽ चौड़ाई १,२०० मील अछि। ई पश्चिम मे लगभग नौ मील चौडा जिब्रॉल्टर, उत्तर-पूर्व मे एक मील चौडा मारमरा जलडमरूसँ तथा दक्षिण-पूर्वमे १०३ मील लामा स्वेज नहर द्वारा लाल सागर संग जोडिएल अछि। कुछ समय ई मोरॉको, स्पेन तथा यूरोप आ एशिया मे स्थित टर्कीक दुबै भाग आपसमि जोडिएल अछि , जे कोनो कारण आब एक दोसरसँ अलग अलग बेल अछि। सागरक पश्चिमी भाग कऽ औसत गहिराई ४,६९२ फुट अछि । अधिकतम गहराई मॉल्टा एवम क्रीट द्वीपक मध्ये १४,४०० फुट तथा कम गहराई ऐड्रिऐटिक सागर मे ७९४ फुट अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

बाह्य जडीसभसंपादित करें

एहो सभ देखीसंपादित करें