ब्रिटिश भारतक प्रेसिडेन्सी आ प्रान्तसभ

भारतक प्रान्त, पहिने गुलाम भारतक प्रेसिडेन्सी आ एहो सँ पहिने प्रेसिडेन्सी कसबासभ, भारतीय उपमहाद्वीपमे ब्रिटिश शासनक समयमे प्रशासनिक प्रभाग छल। सामूहिक रूप सँ एकरा ब्रिटिश भारत कहल जाएत छल। एक या अन्य रूपमे एकर अस्तित्व सन् १६१२ सँ सन् १९४७ धरि कायम रहल छल, पारम्परिक रूप सँ ई तीन ऐतिहासिक कालमे विभाजित रहल छल:

  • सन् १६१२ सँ सन् १७५७ कऽ समयमे इस्ट इन्डिया कम्पनीद्वारा मुगल सम्राटसभ या स्थानीय शासकसभक सहमति सँ बहुतेक स्थानसभ पर मुख्यतया तटीय भारतमे कारखानासभ (व्यापारिक केन्द्र) कऽ स्थापना केनए छल। एकर प्रतिद्वन्दीसभमे पोर्चुगल, डेनमार्क, नेदरल्याण्डफ्रान्सक व्यापारिक कम्पनीसभ छल। १८हम् शताब्दीक मध्यधरि तीन प्रेसिडेन्सी कस्बा: मद्रास, बम्बेकलकत्ता आकारमे पैग भऽ चुकल छल।
  • भारतमे सन् १७५७ सँ सन् १८५८ कऽ मध्य कम्पनी राजक समय, कम्पनी अस्थिरे अस्थिरे भारतक बृहत हिस्सासभ पर अपन सम्प्रभुता प्राप्त केनए चलि गेल जकरा तखन प्रेसिडेन्सी कहल जाएत छल। ओना तँ ई क्षेत्रसभ ब्रिटिश सरकारक निगरानी तहत अबैत चलि गेल आ धीरे-धीरे एहि स्थानक स्थानीय वासीसभ अपन व्यापारिक विशेषाधिकारसभ गुमाबैत चलि गेल जबकि ब्रिटिश साम्राज्यक एहि क्षेत्रसभक उपर दखल बढ़ैत चलि गेल।
  • १८५७ कऽ भारतीय विद्रोहक बाद, कम्पनीक शेष शक्तिसभकेँ ब्रिटिश साम्राज्यमे स्थानान्तरित करि देल गेल। नव ब्रिटिश राज (१८५८-१९४७) मे, सार्वभौमिकतामे किछ नव क्षेत्रसभ जेना उपरी बर्मा धरि बढ़ाए देल गेल। हालांकि, आब ई प्रेसिडेन्सी निर्विवाद रूप सँ प्रान्त मे विभाजित भऽ गेल छल।[१]
औपनिवेशिक भारत
ब्रिटिश भारतीय साम्राज्य
भारतक शाही सत्तासभ
डच भारत१६०५–१८२५
डेनिश भारत१६२०–१८६९
फ्रान्सीसी भारत१७५९–१९५४

पुर्तगाली भारत
(१५०५–१९६१)
भारतक सभा१४३४–१८३३
पुर्तगाली इस्ट इन्डिया कम्पनी१६२८–१६३३

ब्रिटिश भारत
(१६१२–१९४७)
इस्ट इन्डिया कम्पनी१६१२–१७५७
भारतमे कम्पनी शासन१७५७–१८५८
ब्रिटिश राज१८५८–१९४७
बर्मामे ब्रिटिश शासन१८२४–१९४८
ब्रिटिश भारतमे रियासतसभ१७२१–१९४९
भारतक विभाजन
१९४७

ब्रिटिश भारत (१७९३-१९४७) सम्पादन करी

 
विश्व मानचित्रमे भारतीय साम्राज्य (ब्रिटिश भारत आ रियासत) कऽ स्थान।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Imperial Gazetteer of India vol. IV 1908, p. 5 Quote: "The history of British India falls ... into three periods. From the beginning of the 17th to the middle of the 18th century, the East India Company is a trading corporation, existing on the sufferance of the native powers, and in rivalry with the merchant companies of Holland and France. During the next century the Company acquires and consolidates its dominion, shares its sovereignty in increasing proportions with the Crown, and gradually loses its mercantile privileges and functions. After the Mutiny of 1857, the remaining powers of the Company are transferred to the Crown ..." (p. 5)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी