विकिपिडिया:बोट नीति
बोट नीति बोटसभद्वारा केल गेल सभ किसिमक क्रियासभक नियन्त्रण आ वोसभद्वारा प्रयोग होबएवाला स्वाचित स्क्रिप्टसभ जहिसँ विकिपिडिया सम्पादन, जे पूर्ण रुपेन स्वाचालित, अधिकतम गतिशील वा साधारण रूपमे प्राणी सम्पादकद्वारा केल गेल कार्यक लेल नीति छी ।
ई नीति बोट अधिकार सक्रिय प्रबन्धकद्वारा दै के लेल प्रस्ताव केल गेल अछि । जे पूर्ण रुपेन प्राविधिक रूपमे स्तरियता प्रदान करएके लेल मैथिली विकिपिडिया समुदायद्वारा अख्तियार केल गेल अछि ।
अर्थ
- बोटसभ ("रोबोटक सङ्क्षेप रूप") सामान्यतया एकटा प्रोग्राम वा स्क्रिप्ट छी जे स्वाचालित रूपसँ सम्पादन क सकएत अछि ।
- सहायक सम्पादन कम गतिशील यन्त्र/उपकरण छी आर स्क्रिप्ट छी जे सहायक रूपसँ सम्पादन करएत अछि । कोनो प्रोग्राम वा उपकरण जे प्रयोगकर्ताके सम्पादन नैदेख सम्पादन करि सकएत अछि वोकरा बोट मानल जा सकएत अछि ।
- स्क्रिप्टसभ जे व्यक्तिगत स्क्रिप्ट (अधिकतर, मुदा जरुरी नै अछि के जावास्क्रिप्टमे लिखल गेल अछि) होएत अछि जे स्वचालित रूपसँ सम्पादन करएमे सहायक होएत अछि ।
- बोट प्रयोगकर्ता समूहमे प्रयोगकर्ता जोडएक लेल स्थानीय सक्रिय प्रबन्धक बोट अधिकार प्रदान कऽ सकएत अछि ।
बोटक प्रयोग
समुदाय कोनो प्रयोगकर्ताक बोट होमएसँ पहिले अधिक स्तरीय आ कार्यदक्षता देखएत अछि । जे कोनो कार्य सफलतापूर्वक कऽ सकए :
- जे मानवसँ जल्दी सम्पादन कऽ सकए; आर
- जे मानवद्वारा केल गेल सम्पादनसँ बेसी जल्दी अपन सम्पादनक समीक्षा कऽ सकए; आर
- गलत प्रयोग भेला पर क्षति पहुँचा सकए ।
टिप्पणी: बोटक गलत प्रयोगद्वारा बोटक सम्पादन मानवद्वारा केल गेला पर प्रबन्धक वो प्रयोगकर्ताक अनिश्चितकालीन बन्देज लगा सकए अछि ।
बोट खाता
कोनो भी प्रयोगकर्ता जे विकिपिडियापर प्राविधिक कार्यमे दक्ष अछि वो अलगसँ बोटखाता निर्माण करि समुदायक सहमतिक आधारपर बोटक अधिकारक लेल प्रस्ताव कऽ सकएत अछि ।
बोट अधिकार
बोट अधिकार मैथिली विकिपिडियाक सक्रिय प्रबन्धकद्वारा दऽ सकए अछि (सहमति वार्तापृष्ठ पर करी)।
बोटक लेल आवश्यकतासभ
बोटक अधिकार अनुमोदन करए के लेल प्रयोगकर्ताक निम्न बुँदा देखाबए परत:
- खतरापूर्ण नै होना चाही
- बढिया कार्य करवाक आधार
- स्रोत अनावश्यक रूपसँ नै राखए
- वोहिने कार्यसभ करए जे सहमतिद्वारा होए
- ध्यानपूर्वक नीति तथा दिशानिर्देशसभ मानए
- जानकारीमूलक सन्देस, निकसँ लिखल, कोनो भी सम्पादन वा प्रयोगकर्ता वार्तामे प्रयोग करए