बुटवल उपमहानगरपालिका

बुटवल उपमहानगरपालिका नेपालक लुम्बिनी प्रदेशक रूपन्देही जिलाक एकटा उपमहानगरपालिका छी ।[१][२][३] ई शहर तिनाउ अथवा तिलोत्तमा नदीक किनारमा अवस्थित अछि। बुटवल उपमहानगरपालिका रूपमे विक्रम सम्वत २०७१ साल अगहन १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिका लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा भेलाह उपमहानगरपालिका घोषणा भेल अछि । बुटवलक उपमहानगरपालिका घोषित करवक अहिमे सेमलाल तथा मोतिपुर गाविसके समावेश करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा कएल गेल अछि । बुटवलक २२ किमि दक्षिणमे भैरहवा शहर अछि । ई नगर पश्चिम नेपालक प्रवेशद्वारक रूपम रहल अछि । ई नगर महेन्द्र राजमार्ग तथा सिद्दार्थ राजमार्गद्वारा नेपालक पूर्व पश्चिम तथा उत्तर दक्षिण जुड़ल अछि । यातायतक सुविधा तथा भौगोलिक अवस्थितिक कारण बुटवल पश्चिम नेपालक एक प्रमुख वाणिज्य केन्द्रको रूपम विकास भऽ रहल अछि ।

बुटवल
लुम्बिनी कलेजसँ बुटवल उपमहानगरपालिकाक एक दृष्य
लुम्बिनी कलेजसँ बुटवल उपमहानगरपालिकाक एक दृष्य
उपनाम: 
Butwal
देश नेपाल
विकास क्षेत्रपश्चिमाञ्चल
अञ्चललुम्बिनी अञ्चल
जिलारुपन्देही जिला
उपमहानगरपालिका घोषणावि.स.२०७१ अगहन १७
सरकार
 • प्रकारबुटवल उपमहानगरपालिका
क्षेत्रफल
 • कुल१४७० किमी (५७० वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (वि.स.२०६८)
 • कुल१,२०,९८२
 • घनत्व८२/वर्ग किमी (२१०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
पोस्टल कोड
३२९०७
क्षेत्रीय सङ्केत+०७१
वेबसाइटबुटवल उपमहानगरपालिका
butwalmun.gov.np

ई पहाड़ आ तराई दुनू क्षेत्रमे रहल अछि । एक लाखक हाराहरी जनसङ्ख्या रहल बुटवल द्रुतगतीमे विस्तारित भऽ रहल अछि यातायातक केन्द्र रहल बुटवलमे किछ अञ्चल स्तरीय कार्यलयक साथै इलाका स्तरीय कार्यलय रहल अछि। बुटवल बहुमुखी, वाणिज्य क्यम्पस, तिलोतमा क्याम्पस लगायतक के आओरो क्याम्पस तथा विद्यालय रहल बुटवलम लुम्बिनी अञ्चल अस्पतालक साथै सिदार्थ वाल अस्पताल लगायत अन्य सामुदायिक तथा निजी स्वास्थ संस्था समेत अछि । प्रसिद्ध सिद्धबाबा मन्दिर, जीतगढी किला, फुलवारी आदी अछि ई शहर तिनाउनदीक किनारमा अवस्थित अछि । बुटवलक टेलिफोन कोड नं. ०७१ अछि।

नगर नामाकरण सम्पादन करी

ई नगरक नामाकरण सम्बन्धमे बिभिन्न जनश्रुतिसभ सुन्नल जाइत अछि । बिभिन्न ठामसभसँ लोकसभ मिलजुलि एतय आबि बैसल भेला कारण बटौली कहलक आ एकर अपभ्रम्स होइत होइत एकरा बुटवल कहल जाइ लागल । ई शहरके पहिने खस्यौलि नामसँ सेहो चिनहल जाइत छल । वि.सं. २०१६ मे बुटवल-खस्यौली नगरपालिका स्थापना भेलाह पश्चात हालधरि १५ व्यक्ति एकरा नेतृत्व प्रदान केनए अछि । वि.सं. २०१७ मे बहुदलीय व्यवस्था विघटन भेलाह पश्चात ई ठामक नाम बदलि बुटवल-खस्यौली नगरपञ्चायत राखल गेल । एहिलेल बोलीचालीमे एकरा बुटवल नगरपञ्चायत सेहो कहल जाइत अछि । बहुदलीय व्यवस्था पुनःस्थापना भेलापश्चात् एकरनाम नाम बुटवल नगरपालिका राखल गेल । बुटवल नगरपालिकाक पहिल नेतृत्व करैवला पहिल व्यक्तित्व मुन्नीलाल शाक्य (२०१६-२०१७ साल), दोसर ओमशङ्कर श्रेष्ठ (२०१९-२०२३ साल), तेसर परीक्षितप्रसाद लाकौल (२०२४-२०२६ साल), चारिम सरस्वतीप्रसाद शेरचन (२०२६-२०२८ साल आ पुनः २०३३ सँ २०३६ साल) छलाह । तहिना हरिबहादुर सिंह वि.सं. २०२८ मे प्रधानपञ्चमे चुनल गेल छल । ओ चारि-बेरधरि नगरपालिकाक प्रधानपञ्च भेलाह । ताहिना बुटवल नगरपालिकाक प्रधानपञ्चमे पत्रकार सूर्यलाल वि.सं. २०३० मे, बृजमान श्रेष्ठ, २०३६ सँ २०३९ सालधरि सू्र्यप्रसाद प्रधान (२०४९-२०५३) आ भोज प्रसाद श्रेष्ठ (२०५४-२०५९) तथा पुनाराम पोखरेल २०६० मे नगरप्रमुख भेल अछि ।

जनसङ्ख्या सम्पादन करी

नेपालक बि.स. २०६८ कऽ जनगणना अनुसार बुटवलक जनसङ्ख्या १,२०,९८२ अछि ।[४] एहिमे सँ पुरुष ५०%, आ महिला ५०% अछि । ई नगरमे कुल २९,६८७ परिवार रहल अछि । ई नगरके १५ वडामे बिभाजन कएल गेल अछि ।


सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "६१ वटा नगरपालिका र ७ वटा उपमहानगरपालिका थप (सूचीसहित)"मूलसँ 2014-12-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच मंसिर १६,२०७१ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "थप गरिएका उपमहानगरपालिका" (PDF)स्थानीय विकास। नेपाल सरकार सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालय। अन्तिम पहुँच मंसिर १६,२०७१ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)[permanent dead link]
  3. "६१ नगरपालिका र ७ उपमहानगरपालिका घोषणा (नाम र गाभिएका गाविससहित" {{cite web}}: Text "accessdate मंसिर १६,२०७१" ignored (help)
  4. "नेपालको जनसंख्या (२०६८)" (PDF)जनसंख्या तथ्यांक। राष्ट्रिय तथ्यांक बिभाग,नेपाल। मूल (PDF)सँ 18 April 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 6 December 2008 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी