पुष्पा बस्नेत नेपालमे कार्यरत समाजसेवी तथा प्रारम्भिक बाल विकास केन्द्रपुतली घर नामक गैह्रनाफामूलक गैह्रसरकारी संस्थाक संस्थापक/अध्यक्ष छी । ओ आ हुनकर संस्थाद्वारा विभिन्न कारणसँ कैदमे रहल अभिभावकक बेटाबेटीक अधिकारक सुरक्षा करै लेल काम करैत अछि । सिएनएन हिरो अवार्ड २०१२ कऽ लेल हुनकर नाम मनोनयनमे अएलाबाद विभिन्न राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय सञ्चार संस्थासब हुनकर कामक प्रचार प्रसार केनए छल । जेलमे रहल मातापिताक सन्तानक अधिकारक लेल कार्यरत पुष्पा बस्नेत सन् २०१२ कऽ लेल सिएनएन हिरो घोषित भेल छल । सन् २०१२ दिसम्बर ३ मे सिएनएन विश्वभरिसँ कएल गेल इन्टरनेट मतदानक परिणाम अनुसार हुनका सिएनएन हिरो घोषणा केनए छल । सन् २०१६ मे ओ सिएनएन सुपर हिरो घोषित भेल्निह । अमेरिकी टेलिभिजन सिएनएनद्वारा सिएनएन हिरो अवार्डक १० वर्ष भेलाक अवसरमे पूर्व सिएनएन हिरोमेसँ सुपर हिरो अवार्ड प्रदान केनए छल । ओहिक लेल नेपालक पुष्पा बस्नेतसहित अन्य पाँच लोक पूर्व सिएनएन हिरो मनोनयनमे अटायल छल । ओहि कार्यक्रमे अपन पकोपकारी कार्यके निरन्तरता देवाक विजेता पुष्पा वस्नेत ५० हजार अमेरिकी डलर प्राप्त केनए छल ।

पुष्पा बस्नेत
Pushpa Basnet
जन्म
नागरिकतानेपाली
व्यवसायसमाजसेवी, उद्यमी.[१][२]
पुरस्कारसिएनएन हिरो २०१२
वेबसाइटecdcnepal.org

अभिभावकसंग कारागार जीवन बिताबैमे बाध्य बालबालिकाके ओहि ठामसँ छोडाए आश्रय दऽ उदाहरणीय काम केनिहार पुष्पा बस्नेत सिएनएन सुपर हिरोक मनोनयनमे अटायल छल ।[३]

जीवनी सम्पादन करी

समाजसेवा सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. CNN Edition (2012-03-23)। "Pushpa Basnet interviewed by CNN, after her nomination for CNN Heroes Award" {{cite news}}: |author= has generic name (help)
  2. "Pushpa Basnet listed in Paragon 100 Asia"। Paragon100.Asia। 2012-03-23।
  3. पुष्पा बनिन् सीएनएन हिरो nagariknews.com

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी