परमहंस योगानन्दके जन्म सन् ५ जनवरी १८९३ आ मृत्यु ७ मार्च १९५२ मे भेल छल। बीसम सताब्दीके एकटा आध्यात्मिक योग गुरू, आ संत छलाह। क्रिया योगके कारण हुनका पूरा विश्व जानैत अछि। अपन पूरा जिवन क्रिया योगके अभ्यास आ प्रचार प्रसारमे बतेने छलथि। क्रिया योग ईश्वरसँ साक्षात्कार करबाक सबसँ प्रभावकारी विधि मध्ये एक छी। जे अपन गुरू स्वामी युक्तेश्वर गिरीसँ सिखने छलाह। योगानन्द, सन् १९२० मे अमेरिका गेल छल। हुनक चर्चित पोथी योगी कथामृत ( An Autobiography of a Yogi) लाखाेँ प्रति बिक्री भेल अछि। जाहिमे अद्भुत रहस्य आ योगीसभक बारेमे उल्लेखित अछि।

परमहंस योगानन्द

जन्म सम्पादन करी

परमहंस योगानन्दक जन्म ५ जनवरी १८९३, को गोरखपुर, उत्तरप्रदेश, भारतमे भेल । हुनक बाल्यकालक नाम मुकुन्दलाल घोष रहए।

पारिवारिक पृष्ठभूमि सम्पादन करी

योगानन्द बाबू जीक नाम भगवती चरण घोष छल । जे बंगाल नागपुर रेलवेंके उपाध्यक्ष समकक्ष पदपर काम करैत छलाह । योगानन्द चारिम संतान छल। हुनक परिवार योगी जिनव जिवैत छल।हुनक परिवार महान योगी लाहिड़ी महाशयके शिष्य छल।

बाहरी श्रोत सम्पादन करी

  1. योगदा संतसंग सोसाइटी भारत,