पद्मा लक्ष्मी
पद्मा पार्वती लक्ष्मी वैद्यनाथन (जन्म: सन् १९७० सितम्बर १)[१], जकरा पेशेवर रूपसँ पद्मा लक्ष्मीक रूपमे जानल जाइत अछि, एक अमेरिकी लेखक, अभिनेत्री, मोडल आ टेलिभिजन प्रस्तोता छी। ओ अमेरिकी पकवान प्रतियोगिता कार्यक्रम 'टप सेफ' केर मेजबान छी।
पद्म लक्ष्मी Padma Lakshmi | |
---|---|
जन्म | पद्मा पार्वती लक्ष्मी वैद्यनाथन सितम्बर १, १९७० |
राष्ट्रियता | अमेरिकी |
व्यवसाय | मोडल, लेखक, अभिनेत्री, टेलिभिजन प्रस्तोता |
सक्रिय वर्ष | सन् १९९१ - वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | सलमान रुस्दी (वि. २००४; विच्छेद. २००७) |
बालबच्चा | १ |
प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा
सम्पादन करीपद्मा पार्वती लक्ष्मी वैद्यनाथनक जन्म भारतक मद्रास (एखन चेन्नई) मे एक मध्यमवर्गीय तमिल परिवारमे भेल छल।[२] पदमाक माए विजया एक सेवानिवृत्त नर्स छी। हुनकर पिता औषधि कम्पनी फाइजरक सेवानिवृत्त कार्यकारी छी। जखन ओ दू वर्षक छल, तखने हुनकर माता-पिता केर सम्बन्ध विच्छेद भऽ गेल छल। हिनकर माता-पिता दुनु पछा जाए पुनर्विवाह केनए छल आ हुनकर पिता दिससँ एक छोट सौतेला भाए आ सौतेली बहीन अछि।[३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Padma Lakshmi"। TV Guide। अन्तिम पहुँच April 21, 2014।
- ↑ Neha Tara Mehta (October 24, 2010)। "Padma a secret in Rushdie memoir"। India Today। अन्तिम पहुँच January 3, 2011।
- ↑ Yamato, Jen; Shyong, Frank। "Padma Lakshmi"। Asian Enough (Podcast)। The Los Angeles Times।
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे पद्मा लक्ष्मीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |