पंचानन मिश्र पिता-आचार्य श्री गंगाधर मिश्र (निबन्‍धकार, कवि धर्मशास्‍त्रज्ञ)। स्‍थायी-‍पता: अच्‍युत परिस ,मोहल्‍ला-लालबाग (चन्‍द्रशेखर आजाद चौक),डाकघर-प्रधान डाकघर दरभंगा,दरभंगा-846004,प्रान्‍त-बिहार। जन्‍म तिथि-01.04.1952 शैक्षणिक योग्‍यता- बीoएo (आनर्स) अध्‍यवसाय- श्रम अधीक्षक, झारखंड, सरकार पत्राचार पता-द्वारा-राज्‍य श्रम कुल्‍याण केन्‍द्र,डाकघर-झुमरीतिलैया, जिला-कोडरमा-825409 (झारखंड) लेखकीय योगदान:मैथिलीमे मिथिलासँ सम्‍बन्धित पुरातात्विक, इतिहासपरक, सामाजिक, सांस्‍कृतिक, आर्थिक, भौगोलिक, संरचनात्‍मक, एवं सामयिक तथ्‍यात्‍मक आलेख प्रकाशित। मैथिलीक भाषायी आन्‍दोलन विषयक आलेख। साक्षात्‍कार परिचर्चा, रिपोर्ताज, हास्‍य-व्‍यंग्‍य, संस्‍मरण, समीक्षा, लघुकशा साहित्‍य ओ साहित्‍यकार विषयक रचना। अभिनय, प्रतीक संगीता वर्मा, आयुजानन्‍द छद्मनामसँ रचना प्रकाशित। हिन्‍दीमे मैथिली आ ओ मिथिला विषयक आलेख ‘आर्यावर्त’ (हिन्‍दी दैनिक, पटना), ‘पाटलिपुत्र टाइम्‍स’ (हिन्‍दी दैनिक, रांची) ‘बनमनखी टाइम्‍स’ (साप्ताहिक, बनमनखी, पूर्णियाँ)मे प्रकाशित। अभिनव मिश्रक छद्मनामसँ ‘ऋषिसंदेश’ पत्रिकाक सम्‍पादन। कुल प्रकाशित रचनाक संख्या-300 पहिल प्रकाशित रचना-मिथिला मिहिर, पटना (नेना-भुटकाक) चौपाड़ि स्‍तम्भ, 1969)।

पहिल प्रकाशित अग्रलैख-मिथिला मिहिर (शीर्षक: अमेरिकी-जनमत आ बंगला देश, दिनांक 30.1.1972) प्रकाशित पोथी: (1) मैथिल समाज (समाजक विविध पक्षक समीक्षा), 2007 (2) ओ लोकनि (संस्‍मरण), 2007(3) अभिप्राय (निबंध संग्रह), 2008

पोथी जाहिमे रचना संकलित भए प्रकाशित/प्रकाशनाधीन :

1. मैथिली साहित्‍यक रेखांकन, सम्‍पादक श्री हितनाथ झा

2. मैथिली पत्रकारिता: दशा ओ दिशा, सम्‍पादक श्री शरदिन्‍दु चौधरी

3. कविश्‍वर चन्‍दा झा, सम्‍पाद‍क श्री राम लोचन ठाकुर

4. जयकान्‍त जयंतिका, सम्‍पादक श्री गोविन्‍द झा (शील प्रकाशय)

5. डॉoजयकान्‍त मिश्र स्‍म़ति ग्रंथ, सम्‍पादक श्री राम लोचन ठाकुर (शीघ्र-प्रकाशय)

6. साहित्‍य अकादेमी, नई दिल्‍लीसँ प्रकाशय विनिवंध-ब्रज मोहन ठाकुर

7. साहित्‍य अकादेमी, नई दिल्‍लीसँ प्रकाशय विनिवंध सम्‍पादन-डॉ.-जयकान्‍त मिश्र

बागमती दामोदर टाइम्‍स (हजारीबागसँ मासिक प्रकाशित 10 अंक पछाति दिल्‍लीसँ त्रैमासिक 9 अंक मैथिली प्रकाशन) मिथिला मंडल, झुमरीतिलैयाक वर्ष 1989, 1990, 2001 ई.मे विघापति पर्वपर प्रकाशित (स्मारिका)।

पत्र/पत्रिका जाहिमे रचना प्रकाशित अछि:

कर्णामृत (कोलकाता), मिथिला मिहिर (पटना) कुशलक्षेम (सिंहवाड़, दरभंगा), लोकवेद (रहिका, मधुबनी), माटि–पानि (पटना), भारती (रांची), पूर्वोत्तर मैथिल (गौहाटी), वैदेही (दरभंगा), मिथिला टाइम्‍स (दरभंगा), जानकी (धनबाद), प्रवासक भेट (कोलकाता), मैथिली साहित्‍य परिषद पत्रिका (दरभंगा), आकांक्षा (दरभंगा), भाखा (पटना) पुष्पाञ्जलि (देवघर), समय साल (पटना), आइ-काल्हि (पटना) रचना (दरभंगा), मैथिली दर्शन (कोलकाता), आंकुर (दिल्‍ली), बागमती दामोदर टाइम्‍स, श्री मिथिला (कोलकाता), सीताक बेटी (दरभंगा), हिलकोर (खगडि़या), कचोट (जमशेदपुर), मैथिली समाचार (इलाहाबाद)

सदस्य, परामर्शदात्री समिति (मैथिली), साहित्‍य अकादेमी, नई दिल्‍ली तिथि 19.9.2009