नेली फर्टाडो
नेली किम फर्टाडो (अङ्ग्रेजी: Nelly Kim Furtado , जन्म २ दिसम्बर १९७८) एक कनेडियाई गायिका-गीतकार, रिकर्ड निर्माता आ अभिनेत्री छी । फर्टाडो विक्टोरिया, ब्रिटिश कोलम्बिया, क्यानाडामे पलल बढल अछि।
नेली फर्टाडो | |
---|---|
पृष्ठभूमि जानकारी | |
जन्म नाम | नेली किम फर्टाडो |
जन्म | दिसम्बर २, १९७८ |
मूल | विक्टोरिया, ब्रिटिश कोलम्बिया, क्यानाडा |
शैली | पप, रक, लोकगीत, आर एण्ड बी, लेटन पप, हिप होप, डान्स पप, विश्व सङ्गीत |
कार्यसभ | गायक-गीतकार, रेकर्ड निर्माता, सङ्गीतकार, अभिनेत्री |
बाद्ययन्त्र | आवाज, गिटार, कीबोर्ड, उकुलेले, ट्रोमबोन |
सक्रियता वर्ष | १९९६–वर्तमान |
लेबल | ड्रीमवर्क्स, गेफेन, एमएमजी, यूनिवर्सल म्युजिक ल्याटिनो |
वेबसाइट | NellyFurtado.com |
फर्टाडोक प्रसिद्धी अपन पहिल अल्बम वोआ, नेली! ओ उनकर एकल गीत "आई एम लाइक अ बर्ड" सँ मिलल अछि जे उनका २००१ क वर्ष के एकल गीत क जूनो पुरस्कार आ २००२ क सर्वश्रेष्ठ महिला पॉप वोकल पर्फोर्मंस क ग्रैमी पुरस्कार जितेलक। अहिमे दुई आ अंतर्राष्ट्रीय एकल गीत छल: "टर्न ऑफ़ द लाइट" आ "शीट ऑन द रेडियो (रिमेम्बर द डेज़)"। अपन बेटी नेविस क जन्म के बाद उनकर अपन दोसरा स्टूडियो अल्बम फ़ोकलोर रिलीज केलक। ई व्यापारिक दृष्टी से अमेरिका मे कम सफल रहल। अहिमे तीन अनतर्राष्ट्रीय एकल गीत छल: "पावरलेस (से वाट यु वांट)", "ट्राई" आ "फोर्का"।
२००६ गर्मि मे उनकर आपन तेसर स्टूडियो अल्बम लूज़ रिलीज केलक। ई अखनतक उनकर विश्वभर मे सबसे सफल अल्बम छी। अहिमे प्रथम क्रमाक के हीट गीत "प्रोमिशियस", "मैनइटर", "से ईट राईट" आ "ऑल द गुड थिंग्स (कम टू एन एंड)" शामिल अछि। तिन वर्ष के विराम के बाद सितम्बर २००९ मे उनकर अपन स्पैनिश अल्बम मी प्लान अपन पहिल स्पैनिश गीत "मानोस अल ऐरे" क सग रिलीज़ केलक। अहिमे "मियास" आ "बाजो ओतरा लुज़" बाकी गीत छल। मी प्लान क लेल नेली क सर्वश्रेष्ठ महिला पॉप वोकल अल्बम के लेटिन ग्रैमी पुरस्कारसँ सेहो सम्मानित केने छल। २६ अक्टूबर क एक रीमिक्स अल्बम मी प्लान रिमिक्सेस रिलीज केलक । एक महिना बाद १२ नवम्बर २०१० फ़र्टाडो अपन पहिल सर्वश्रेष्ठ हीट गीतों क अल्बम द बेस्ट ऑफ़ नेली फ़र्टाडो रिलीज केने छल।