नीलम देओ
नीलम देओ सन् १९७५ ब्याचक भारतीय विदेश सेवा (आइएफएस) अधिकारी छी, जे डेनमार्क आ कोटे डी आइभोरमे भारतक राजदूतक रूपमे सेवा केलक, जे सिएरा लियोन, नाइजर आ गिनीकें समवर्ती मान्यता प्राप्त अछि। अपन राजनयिक करियरक अन्तरालमे ओ दुई अवसरमे अमेरिकामे वाशिङ्गटन, डीसी (१९९२-१९९५) आ न्यू योर्क (२००५-२००८) मे कार्यरत छल। न्यू योर्कमे महावाणिज्य दूतक रूपमे, ओ निवेश प्रोत्साहन गतिविधिसभमे काज केनए छल। भारतीय विदेश सेवामे ३३ सालक सेवाक बाद, ओ सन् २००९ मे गेटवे हाउस: इन्डियन काउन्सिल अन ग्लोबल रिलेसन्सक सह-स्थापना केलक। ओ सेन्टर फर एयर पावर स्टडीज ऽक सङ्ग एक प्रतिष्ठित साथी, द क्लाइमेट ग्रुपक सलाहकार छी।
शिक्षा
सम्पादन करीनीलम देओ दिल्ली स्कूल अफ इकोनोमिक्स सँ अर्थशास्त्र विषयमे स्नातोकोत्तर पूरी केनए अछि। भारतीय विदेश सेवामे शामिल होमए सँ पहिने, ओ सन् १९७१ सँ सन् १९७४ धरि कमला नेहरू कौलेज, दिल्ली विश्वविद्यालयमे अर्थशास्त्रक अध्यापन केनए छल। ओ विशेष रूप सँ, अफ्रिका, दक्षिण पूर्व एसिया, भारत-संयुक्त राज्य अमेरिकाक मुद्दासभक बारेमे व्यापक ज्ञान आ जोखिम पर नजर रखैत अछि। बंगलादेश आ अन्य सार्क पड़ोसी देश सँ द्विपक्षीय सम्बन्धमे सेहो हुनकर बढिया दखल अछि।[१]
व्यक्तिगत जीवन
सम्पादन करीनीलम देओक विवाह भारतीय प्रशासनिक सेवाक एक अधिकारी प्रमोद देओ सँ भेल अछि, जे भारतक पूर्वमे केन्द्रीय विद्युत नियामक आयोगक अध्यक्ष छल।[२] नीलम आ प्रमोद कऽ एक बेटी अछि, जे पेङसिल्वेनिया कऽ लेह विश्वविद्यालयमे राजनीति विज्ञानक एसोसिएट प्रोफेसर छी।
राजनयिक करियर
सम्पादन करीओ इटलीमे भारतीय विदेश सेवा (१९७७-१९८०) कऽ सङ्ग अपन करियरक शुरुआत केनए छल। एकर बाद ओ थाइल्यान्डमे एक राजनीतिक आ प्रेस अधिकारी (१९८४-१९८७) कऽ रूपमे जिम्मेदारी शामिल अछि। विदेश मन्त्रालयमे अपने कार्यक अन्तरालमे ओ बंगलादेश, श्रीलंका, म्यानमार आ माल्दिभ्सक संयुक्त सचिव छल। एकर बाद ओ डेनमार्क (१९९६-१९९९) मे एक राजदूतक रूपमे नियुक्त कएल गेल आ ओकर बाद ओ कोटे डी आइभोर (१९९९-२००२) मे राजदूतक रूपमे काज केलक। सिएरा लियोन, नाइजर आ गिनीके समवर्ती मान्यता प्रदान कएल गेल छल। हुनकर अन्तिम कार्य (२००५-२००८) न्यू योर्कमे महावाणिज्यदूतक रूपमे छल। रणनीतिक मुद्दासभ पर अमेरिकी काङ्ग्रेस, थिङ्क ट्याङ्क आ विश्वविद्यालयसभक सङ्ग सम्पर्क, ओकर विशेष जिम्मेदारिसभमे सँ एक छल।[३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Gateway House Biodata"। मूलसँ 2013-01-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-26।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Pramod Deo"।
- ↑ "Career"। Gateway House: Indian Council on Global Relations। मूलसँ 2013-01-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-26।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)