दीपिका देशपाण्डे अमिन एक भारतीय टेलिभिजन, रङ्गमञ्च आ चलचित्र अभिनेत्री छी। ओ बलिउड चलचित्र वेल डन अब्बा (२००९)[१]सँ चलचित्र करियरक पदार्पण केनए छल। तत्पश्चात दीपिका राँझना(२०१३),बेवकुफिया(२०१४),फ्यान(२०१६) लगायत बहुतेक चलचित्र सभमे अभिनय केनए अछि। ओ भारतीय टेलिभिजन जगतक एक जानल मानल नाम छी।

Deepika Amin
दीपिका अमिन
दीपिका अमिन
जन्म
मुम्बई, महाराष्ट्र
राष्ट्रियताभारतीय
अभिभावक(सभ)उल्हास देशपाण्डे (पिता)
क्षमा देशपाण्डे (माता)

जीवनी सम्पादन करी

दीपिका अमिनक जन्म मुम्बईमे एक मराठी परिवारमे भेल छल। हुनकर दादा, आत्माराम रविजी देशपाण्डे साहित्य एकेडमी पुरस्कार सँ सम्मानित भेल छल। हुनकर दादी, कुसुमावती देशपाण्डे मराठी साहित्यक लेखकनागपुर विश्वविद्यालयमे अङ्ग्रेजी साहित्यक प्राध्यापक छल। हुनकर पिता उल्हास देशपाण्डे भारतीय वायु सेनामे एयर भाइस मार्सल छल। हिनकर माता क्षमा देशपाण्डे एक कथक नर्तक आ कथक गुरु श्री गोपी कृष्णक शिष्य छल। ओ दिल्लीमे पलल बढ़ल, आ लरेटो कन्वेन्मेंट स्कूलमे अपन स्कूली शिक्षा पूर्ण केलक आ दिल्ली विश्वविद्यालयकें[२] लेडी श्री राम कौलेजमे अर्थशास्त्र (औनर्स) कऽ अध्ययन केनए अछि।

टेलिभिजन सम्पादन करी

ओ लेख टन्डन आ गुल आनन्दक धारावाहिक फरमान कऽ सङ्ग अपन पहिल ब्रेक पाएल जतय ओ कंवलजीत सिंहक सङ्ग मुख्य भूमिका निर्वाह केनए छल। ओ श्याम बेनेगलक धारावाहिक अमरावती कऽ कथासभमे अभिनय केनए छल आ हुनकरे ऐतिहासिक श्रृङ्खला संविधान कऽ १० भागमे अभिनय केनए छल।

रङ्गमञ्च सम्पादन करी

दीपिका अमीन थिएटर एक्शन ग्रुप [३] कऽ प्रसिद्ध नाटक निर्देशक बैरी जोन द्वारा निर्देशित नाटक सँ अपन थिएटर कैरियरक शुरूवात केनेए छल ।

चलचित्र क्षेत्र सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "SRK is as enthusiastic and fun-loving as he was: Deepika Deshpande Amin | Latest News & Updates at Daily News & Analysis". 2016-04-14. Retrieved 2016-07-18.
  2. "FILM STAR'S JOURNEY THROUGH YOUTH". www.afternoondc.in. Retrieved 2016-07-18.
  3. "The Eclectist: Deepika Amin's Interview". theeclectist.blogspot.in. Retrieved 2016-07-18.

एहो सभ देखी सम्पादन करी