ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय
ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय (टि२०आई उच्चारण "टिट्वान्टीआई") क्रिकेटक एकटा रूप छी जे दुई राष्ट्रिय क्रिकेट टिम बीच खेलल जाइवाला २० ओभरक एक प्रतियोगिता छी । ई खेल ट्वान्टी२० क्रिकेटक नियम अन्तर्गत खेलल जाइत अछि । पहिल ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय खेल १७ फरबरी २००५ मे अस्ट्रेलिया तथा न्युजिल्यान्ड बीच इडेन पार्क अकल्यान्डमे खेलल गेल छल जाहिमे अस्ट्रेलिया ४४ रन सँ विजयी भेल छल । अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषदद्वारा जारी पहिल आधिकारिक क्रमाङ्कमे इङ्गल्याण्ड शीर्ष स्थानमे रहल छल ।[१]
टि२०आइ दर्जा प्राप्त टिमसभ
सम्पादन करीटेस्ट क्रिकेट खेलैवाला १० राष्ट्र (जे आइसिसीक पूर्ण सदस्य सेहो छी)के स्थायी टि२०आई दर्जा प्राप्त अछि । निचा उल्लेखित टिमसभक पहिल टि२०आई सुरु भेल मिति कोष्ठकमे दर्साएल गेल अछि:
- न्युजिल्यान्ड (१७ फरबरी २००५)
- अस्ट्रेलिया (१७ फरबरी २००५)
- इङ्ल्यान्ड (१३ जुन २००५)
- दक्षिण अफ्रिका (२१ अक्टुबर २००५)
- वेस्ट इन्डिज (१६ फरबरी २००६)
- श्रीलंका (१५ जुन २००६)
- पाकिस्तान (२८ अगस्त २००६)
- बङ्गलादेश (२८ नवम्बर २००६)
- जिम्बाब्वे (२८ नवम्बर २००६)
- भारत (१ दिसम्बर २००६)
सन् २००५ सँ आइसिसीद्वारा ओडिआई तथा टि२०आई दर्जा ६ अन्य टिमसभ (एसोसिएट/सम्बद्ध सदस्यसभक रुपमे रहल)के देत आएल अछि । कोनो भी टिम ओ अस्थायी दर्जा ४ वर्षक लेल प्राप्त करैलेल आइसिसी क्रिकेट लिग चौवर्षीय प्रदर्शनक आधारमे प्राप्त करि सकैत अछि – वा, आइसिसी विश्वकप छनौट प्रतियोगिताक अन्तिम ६ टिम बनि प्राप्त करि सकैत अछि । आइसिसी विश्वकप छनौट प्रतियोगिता विश्व क्रिकेट लिगक अन्तिम प्रतियोगिता छी । सन् २०१४ जुन २८ मे आइसिसी नेपाल तथा नेदरल्यान्डके टि२०आई दर्जा प्रदान केनए छल, दुनु टिम जुन २०१४ आइसिसी वर्ल्ड ट्वान्टी-ट्वान्टीमे छनौट तथा सहभागी भेल छल ।[२] निम्नलिखित ८ टिमसभ वर्तमानमे ई दर्जा प्राप्त केनए अछि (कोष्ठकमे देल तिथि टिमसभक अस्थायी ओडिआई तथा टि२०आई दर्जा प्राप्त केलाबाद खेलल पहिल टि२०आई म्याच दर्साएल अछि):
- स्कटल्यान्ड (१२ सितम्बर २००७ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
- आयरल्यान्ड (२ अगस्त २००८ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
- अफगानिस्तान (१ फरबरी २०१० सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
- हङकङ (१ फरबरी २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि
- पपुवा न्युगिनी (१ फरबरी २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
- संयुक्त अरब इमिरेट्स (१ फरबरी २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
- नेपाल (२८ जुन २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
- नेदरल्याण्ड (२८ जुन २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
जल्दीए, चारि अन्य एसोसिएट राष्ट्र विश्व क्रिकेट लिगमे बढिया प्रदर्शन केलाबाद अस्थायी एकदिवसीय आ टि२०आई दर्जा देल गेल छल जे बादमे विश्वकप छनौटमे स्तरीय प्रदर्शन नैकरलाबाद हटाएल गेल अछि :
- केन्या (१ सितम्बर २००७ सँ, ३० जनवरी २०१४ धरि)
- नेदरल्याण्ड (२ अगस्त २००८ सँ, २८ जनवरी २०१४ धरि)
- क्यानाडा (२ अगस्त २००८ सँ, २८ जनवरी २०१४ धरि)
- बर्मुडा (३ अगस्त २००८ सँ, ८ अप्रैल २००९ धरि)