जेम्स डेविड रोडरिगेज रूवियो (जन्म १२ जुलाई १९९१) सामान्यतया जेम्स रोडरिगेज (स्पेनी उच्चारण: [ˈxames roˈðɾiɣes]) वा सोझे जेम्स (hahm-ess)[१] कोलम्बियाली फुटबलर छी जे ला-लिगा क्लब रियल म्याड्रिडकोलम्बिया राष्ट्रिय फुटबल टोलीसँ आक्रामक विङ्गरक रूपमे खेलैत अछि । जेम्स संसारक उत्कृष्ट युवा खेलाडीमेसँ एक छी । ओ अपन तिक्ष्ण प्राविधिक खेल आ प्ले मेकरक रूपमे अपन प्रशंसकक दिल जितैमे सफल मानल जाइत अछि ।

जेम्स रोडरिगेज
James Rodríguez
जेम्स रोडरिगेज सन् २०१४ फिफा विश्वकपमा
व्यक्तिगत विवरण
पुरा नाम जेम्स डेविड रोडरिगेज रूवियो
जन्म मिति (१९९१-०७-१२) १२ जुलाई १९९१ (उमर ३२)
जन्म स्थान कुकुटा, कोलम्बिया,
उचाई १.८० मी (५ फिट ११ इन्च)
खेलैक स्थान विङ्गर
क्लबक विवरण
वर्तमान क्लब रियल म्याड्रिड
क्रम १०
युवा क्लब
१९९५-२००७ इन्भीडिआगो फुटबल क्लब
सिनियर क्लब*
वर्ष क्लबसभ खेल (गोल)
२००७-२००८ इन्भीडिआगो फुटबल क्लब ३० (९)
२००८-२०१० एट्लेटिको बानफिल्ड ४२ (५)
२०१०-२०१३ पोर्टो क्लब ६३ (२५)
२०१३-२०१४ मोनाको क्लब ३४ (९)
२०१४– रियल म्याड्रिड २० (८)
राष्ट्रिय टिम
२००७ कोलम्बिया अन्डर १७ ११ (३)
२०११ कोलम्बिया अन्डर २० (3)
२०११– कोलम्बिया ३२ (१२)
  • बरिष्ठ फुटबल क्लबमे उपस्थिति आ खेलैत काल कएल गेल गोल (गोलके घरेलु लिगमे कएल गेल गनल जाइत) नवीनतम जानकारी २१:३९, ४ फरबरी २०१५.


† राष्ट्रिय टिममे उपस्थिति आ खेलैत काल कएल गेल गोल नवीनतम जानकारी १९:३१, १८ नवम्बर २०१४

युरोपमे तब चर्चित भेल छल जब ओ पोर्चुगिज क्लब पोर्टोमे रहि ३ बर्षमे आधा दर्जन बेसी ट्रफी जितेलक । एहि कारण फ्रेञ्च क्लब 'मोनाको' ओ प्रति आकर्षित भेल । ओ मोनाकोमे सेहो निराष नै केलक । सन् २०१४ फिफा विश्वकपमे उत्कृष्ट प्रदर्शन करि ओ युरोपक सर्वाधिक धनी आ सफल क्लब रियल म्याड्रिडमे आबद्ध भेल जकर लेल हुनका म्याड्रिड €८० मिलियन खर्च करलक । सन् २०१४ फिफा विश्वकपमे ६ गोल करैत ओ गोल्डेन बुट जितने छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Das, Andrew (28 June 2014)। "World Cup 2014: James Rodríguez Leads Colombia Over Uruguay"The New York Times। अन्तिम पहुँच 30 June 2014

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी