जीवशास्त्र वा जीव विज्ञान (Biology) प्राकृतिक विज्ञानक (Natural science) ओ शाखा छी जाहिमे जीवन (जिनगी) आओर जीव केर अध्ययन कएल जाइत अछि । एहि शास्त्रक अन्तर्गत कोनहु जीवक शरीर रचना ( Anatomy), शरीर क्रिया (Physiology), वृद्धि ( Growth & Development), क्रमिक उद्विकाश (Evolution), वितरन (Distribution), अभिज्ञान (पहिचान) (Identification) आ जैव वर्गीकरण (Taxonomy) आदिक अध्ययन कएल जाइत अछि ।

शाखा सम्पादन करी