जबरजस्ती विवाह
दुलहा या दुलहीमे सँ कियो एकक मञ्जुरी बिना कराएल जाइवला विवाहके जबरजस्ती विवाह कहल जाइत अछि । एहि प्रकार जबरजस्ती विवाह करिक प्रचलन नेपाल लगायत अन्य विकासोन्मुख देशमे अखनो कायम रहल पाएल गेल अछि । खास करि ई घटनाक शिकार प्राय महिलासभ भेल अछि । कतौ कतौ पुरुषसभ सेहो जबरजस्ती विवाहक शिकार भेल घटनासभ सुनैमे आएल अछि । बहुतेक भाग महिलासभ जबरजस्ती विवाहक शिकार भेलाक कारण ई एक प्रकारक महिला हिंसा मानल जाइत अछि ।