चूडामणि रेग्मी चर्चित नाम चूडामणि बन्धु (जन्म वि.सं. १९९५) नेपाली भाषाकऽ समालोचक तथा निवन्धकार अछि। रेग्मी विगत ४ दशकसँ नेपाली भाषा साहित्य अध्यापन कार्यमे संलग्न अछि।

चूडामणि रेग्मी
चूडामणि रेग्मी
जन्मपाल्पा जिला
उपनामचूडामणि बन्धु
पेशासाहित्य
भाषानेपाली
राष्ट्रियतानेपाली
नागरिकतानेपाली
शिक्षाएम. ए, पी. एच. डी.(भाषा विज्ञान)

जीवनी सम्पादन करी

चूडामणि वि.सं. १९९५ जेठ महिनामे बाबु डिल्लीराम रेग्मी आ माता हरिप्रिया देवीक सुपुत्रक रूपमे बन्धु रहबास, चिर्तुङधारा, पाल्पामे जन्मल अछि । नेपालीमे एम्.ए. आ भाषाविज्ञानमे विद्यावारिधि कएल रेग्मी प्राध्यापन पेशा अँगालेक छल।

कृतिसभ सम्पादन करी

रेग्मीक मौलिक कृतिसभ

  1. महाकवि लक्ष्मीप्रसाद देवकोटा
  2. देवकोटा (जीवनी/समालोचना, वि.सं. २०३६)
  3. नेपाली भाषाको उत्पति (वि.सं. २०२५)
  4. भाषा विज्ञान-भाषा विषयक (वि.सं. २०३०)
  5. अनुसन्धान प्रबन्धको रूप र शैली (वि.सं. २०३४)
  6. कर्णाली लोक संस्कृति खण्ड-४ (वि.सं. २०२८)
  7. नेपाली व्याकरणका केही पक्ष-व्याकरण
  8. चकमकको बट्टा आ उड्ने बाकस
  9. यात्राको साथी

उनकर सम्पादित, अनूदित आ फुटकर कृतिसभ

  1. साझा कविता (वि.सं. २०२४)
  2. साझा एकाङ्की (वि.सं. २०२५)
  3. लक्ष्मी कवितासंग्रह (वि.सं. २०३३)
  4. लक्ष्मी कथासंग्रह (वि.सं. २०३४)
  5. लक्ष्मी गीतिसंग्रह (सम्पादन)

पुरस्कार सम्पादन करी

कर्णाली लोक संस्कृति भाग ४ नामक ग्रन्थक लेल दर्शन विज्ञानतर्फक मदन पुरस्कार २०२८ संयुक्तरूपमे प्राप्त केने अछि। उनकर साथ बिहारीकृष्ण श्रेष्ठ, स्थिरजंगबहादुर सिंह‎प्रदीप रिमाल के उक्त पुरस्कार प्रदान केने छल।

ओ देवकोटाक लेल वि.सं. २०३६क साझा पुरस्कार, वि.सं. २०३७मे गुणराज स्मारक व्याख्यान पुरस्कार, सन् १९७४मा गो.द.बा. चौथो, सन् १९८४मे महेन्द्र विद्याभुषण आदि पावल छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी