चारसद्दा (उर्दू: ur‎, पश्तो: ur‎, अंग्रेज़ी: Charsadda) पाकिस्तान के ख़ैबर-पख़्तूनख़्वा प्रांत के मध्य भाग मे स्थित एक जिला छी। ई जिला क राजधानी चारसद्दा नाम क शहर छी। ई जिला पहिले पेशावर महानगर क हिस्सा छल। मानल जाइय कि भारतीय उपमहाद्वीप क प्राचीन नगरी पुष्कलावती, जेकर रामायण मे सेहो जिक्र आयल अछी, ई चारसद्दा जिला मे स्थित छल।[१][२]

ख़ैबर-पख़्तूनख़्वा प्रांत मे चारसद्दा जिला(लाल रंग मे)
चारसद्दा क मशहूर चप्पल बाज़ार

विवरण सम्पादन करी

कोहिस्तान जिला मे सन् १९९८ मे १०,२२,३६४ लोक आबादी छल। एकर क्षेत्रफल क़रीब ९९६ वर्ग किमी अछी। एतके ज़्यादातर लोक पश्तो बोलै वाल पश्तून अछी। ई जिला मे दुई तहसील अछी जाहिमे ४६ संघीय काउन्सिल आवैत अछी।

इतिहास सम्पादन करी

प्राचीनकाल मे चारसद्दा गंधार राज्य क हिस्सा भेल करैत छल। ५१६ ईसापूर्व मे ईरान के हख़ामनी साम्राज्य ओहीपर क़ब्ज़ा करि आर ओकरा अपन सातम सात्रापी (प्रान्त) का हिस्सा बना लेलक। एते से ओ ईरान के सम्राट दरयुश प्रथम के अधीन भ गेल आर ३३६ ईसापूर्व मे सिकंदर महान द्वारा हख़ामनी साम्राज्य क नष्ट धरी ओकर हिस्सा रहल । सिकंदर क मृत्यु के बाद ३२३ ईसापूर्व मे मौर्य राजवंश के प्रथम सम्राट चन्द्रगुप्त मौर्य गंधार क अपन अधीन मे करि लेलक। एही वंश के सम्राट अशोक ई क्षेत्र मे बौद्ध धर्म क प्रचार केलक आर स्तूप बनवेलक। ई क्षेत्र मे हिन्द-यवन राजासभ क सेहो कुछ भाग मे ज़ोर रहल। ६३० ईसवी मे एतै से जाय वाला चीनी तीर्थयात्री ह्वेन त्सांग अपन वर्णन मे एतै के स्तूप क 'पो-लू-शा' क नाम देलक आर कहलक की ओकर परिधि (सर्कमफ़्रेन्स​) ४ किलोमीटर छल। वर्णन से ई पता लगल कि चारसद्दा के पूर्वी भाग मे एक हिन्दू मंदिर छल आर उत्तर मे एक बौद्ध मठ छल। १०२६ ईसवी मे महमूद ग़ज़नी ई इलाका पर क़ब्ज़ा करि के एते के जन-समुदाय क इस्लामीकरण केनेए छल।

  1. Prehistory And Harappan Civilization, Raj Kumar Pruthi, APH Publishing, 2004, ISBN 978-81-7648-581-4, ... City-sites like Charsadda (Pushkalavati) near Mardan, Bhita near Allahabad, Basarh (Vaisali) near Muzaffarpur, and Rajgirthe ancient capital of Magadha, were also touched but not persisted in ...
  2. Ancient India (The Cambridge history of India), Macmillan, 1922, ... The region in which the division of Hephaestion and Perdiccas was now encamped formed part of the realm of a raja, named by the Greeks Astes, whose capital was the town of Pushkalavati (Charsadda) to the north of the Kabul river ...