खेसारी (वानस्पतिक नाम: Lathyrus sativus) एक वनस्पति छी जहि सँ दालि प्राप्त होइत अछि। खेसारी शरद ऋतुमे भारतीय उपमहाद्वीपक तराई क्षेत्रमे लहरमे फूलाए वला दलिहन छी। एकर दालि सभ दालिसभ सँ बेसी पौष्टिक, सुरक्षित आ कम दाममे पाओल जाइत अछि। संसारक अनेक राष्ट्रसभमे एकर खेती आ एकर उपयोग प्राचीनकालसँ कएल जाइत रहल अछि। खेसारी दालिक वनस्पति शास्त्रक नाम 'लेथाइरस सेटाइवस' आ एकरा अङ्ग्रेजीमे 'ग्रास पी', 'सिसेर्चिया', 'ब्ल्यु स्विट पी', 'चिक्लिङ पी', 'इन्डियन पी' आ 'ह्वाइट पी' कहल जाइत अछि तँ मराठीमे एकरा लाख-लाखोड़ी, हिन्दी, असामी आ बङ्गालीमे एकरा 'खेसारी-खेसाड़ा' या 'तिवरा-तिवरी' सेहो कहल जाइत अछि। नेपाली भाषामे एकरा 'खेसरी' कहल जाइत अछि तँ भारतक पूर्वी उत्तर प्रदेशमे एकरा 'लतरी' सेहो कहल जाइत अछि।

खेसारी
Lathyrus Sativus
वैज्ञानिक वर्गीकरण edit
जगत: पौधा
क्ल्याड: फूलदार वनस्पति
क्ल्याड: दुईदलीय
क्ल्याड: रोसाइड्स
गण: Fabales
परिवार: Fabaceae
उपपरिवार: Faboideae
वंश: Lathyrus
प्रजाति:
L. sativus
वैज्ञानिक नाम
Lathyrus sativus
पर्याय[१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Lathyrus sativus L."Plants of the World Online। Board of Trustees of the Royal Botanic Gardens, Kew। 2017। अन्तिम पहुँच 20 July 2020

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी