खड्ग शमशेर जङ्गबहादुर राणा
खड्ग शमशेर जङ्गबहादुर राणा नेपाली सेनाक प्रधानसेनापति छल । उनकर जन्म कमाण्डर धीर शमशेर राणाक दोसर पुत्रक रुपमे भेल । वि.सं. १९४२(सन् १८८५)मे अपन बडक पापा प्रधानमन्त्री रणोद्दिप सिँह बहादुर राणाक हत्या केलक पश्चात ओ प्रधानसेनापति भेल साथ प्रधानमन्त्रीक मर्यादामे भैइया वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणापछाक दोसर छल। सन् १८८७ मे ओ प्रधानमन्त्रीक रोलक्रमसँ निश्काषित भऽ ठाडा जेलमे बन्दी भेल । सन् १८८९ मे पाल्पाक बडाहाकिममे नियुक्त भऽइ पुनर्स्थापित भेल । सन् १९०१ मे धनकुटाक बडाहाकिम भेल । सन् १९०९ मे बेलायतक महाराज एडवार्ड सातौंसँ व्यक्तिगत राजाक उपाधि पावलक।
श्री कमाण्डर ईन चिफ खड्ग शमशेर जङ्गबहादुर राणा जन्म: खड्ग शमशेर कुँवर राणा | |
---|---|
नेपालक प्रधानसेनापति | |
पूर्वाधिकारी | जीतजङ्ग राणा |
उतराधिकारी | रण शमशेर जङ्गबहादुर राणा |
व्यक्तिगत जानकारी | |
जन्म | १६ फरबरी, १८६१ |
मृत्यु | २२ दिसम्बर, १९२१ नेपाल दरबार, सौगोर |
धर्म | हिन्दू |
सैनिक सेवा | |
क्रम | जनरल |
ओ नेपालक शाहाजहाँ कहलावैत छल। ओ अपन पत्नीक लेल पाल्पामे रानीमहल बनाने छल जे नेपालक ताजमहल कहलावैत छल ।