क्वेटा (उर्दू: کوئٹہ, पश्तो: کوټه, बलोची: کویته), पाकिस्तान प्रान्त बलुचिस्तान कऽ राजधानी छी ई पाकिस्तानक नौअम सबसँ पैग शहर छी। ई शहरक पाकिस्तानका 'फल कऽ बगैचा' सेहो कहैत अछि ई शहर चारो दिशसँ फल कऽ बगैचासँ घेरल अछि फल आ सूखल मेवा कऽ उत्पादन, पैग पैमाने पर कएल जाएत अछि। अपन सुन्दरता आ भौगोलिक स्थिति कऽ कारण अतीतमे ई शहर कऽ 'छोट पेरिस' रूपसँ सेहो जानल जाएत अछि । समुद्रनीचासँ क्वेटा कऽ औसत ऊचाई १६८० मीटर (५,५१० फुट) अछि जे कारण ई पाकिस्तानक उच्च ऊचाई पर स्थित एकमात्र प्रमुख शहर छी। अनुमानत: शहर कऽ आबादी लगभग ११४०००० अछि।

क्वेटा
  • کویته‎  
  •   کوئٹہ‎  
  •   کوټه
शहर
क्वेटा शाम कऽ समय
क्वेटा शाम कऽ समय
देशपाकिस्तान
क्षेत्रबलूचिस्तान
जिलाक्वेटा
स्वतन्त्र कस्बे
संघीय परिषद66[१]
क्षेत्रफल
 • कुल२६५६ किमी (१०२५ वर्गमाइल)
उन्नतांश
१६८० मिटर (५५१० फिट)
जनसङ्ख्या
 (2010)
 • कुल२०,००,०००
समय क्षेत्रयुटिसी+5 (पीकेटी)
क्षेत्रीय सङ्केत+9281


पाकिस्तान-अफगानिस्तान सीमा कऽ निकट उत्तर पश्चिमी बलूचिस्तान मे स्थित, क्वेटा दुनु देश कऽ बीच व्यापार आ सन्चार कऽ केन्द्र छी। शहर बोलन दर्रे मार्ग पर स्थित अछि जे अतीतमे दक्षिण एसियामध्य एसिया बीच एकमात्र प्रवेशद्वार छल । समय समय पर होएवाला अफगानी संघर्ष मे क्वेटा पाकिस्तानी सशस्त्र बल कऽ लेल सैन्य रूप मे एक महत्वपूर्ण भूमिका निभाने छल।


परिचय सम्पादन करी

क्वेटा उत्तरपश्चिम पाकिस्तानमे लगभग ५,५०० फुट ऊँचाई पर स्थित नगर। ई बिलोचिस्तान जिलाक मुख्य नगर छी। ई नामक मूलमे 'क्वात-कोट' अछि आ स्थानीय लोग एकरा 'शलकोट' कहैत अछि। गर्मीमे गर्म दिन आ ठण्ढी रात होएत अछि। जाडक ताप प्राय: १८० से. सँ नीचा रहैत अछि। वार्षिक वर्षाक औसत १० इन्च अछि। प्रसिद्ध बोलन दर्रे पर स्थित होए सँ एकर सैनिक महत्व रहल अछि । १८७६ ई. मे जब सर राबर्ट संडेमन रेजीडेंसी स्थापित केलक तब ओकरा महत्व प्राप्त भेल । एहिसँ पूर्व ओ एक छोट बाजार छल आ कुछ मिट्टी के घर तथा छिटपुट बगैचा छल । १९०७ मे एक सैनिक स्कूल खोला गेल छल आ पश्चिमी अफगानिस्तान, पूर्वी इरान आ अधिकांश मध्य एशिया सँ व्यापारक केन्द्र बनल आ एकरा रेलमार्गसँ जोडल गेल अछि । १९३५ मे ई नगर एक भीषण भूकम्प मे प्राय: एकदम नष्ट भऽ गेल छल । ई भूकम्प सँ मरल लोग कऽ संख्या २० सँ ४० हजार बीच गेल छल।

 
क्वेटा कऽ दृष्य (वर्ष २००८)

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी