क्राइस्ट द रिडिमर

क्राइस्ट द रिडिमर ब्राजिलक राजधानी सहर रियो दी जेनेरियोमे अवस्थित क्राइस्टक मुर्ति छी जेकरा संसारक दोसर सबसँ पैग आर्ट डेको स्ट्याच्यु मानल जाएत अछि । [१] [२] ई प्रतिमा ३० मिटर (९८ फिट) उँच तथा ई प्रतिमाक हातक लम्बाई २८ मिटर (९२ फिट) रहल अछि । एकर तौल ६३५ टन अछि आ ई प्रतिमा ७०० मिटर (२३०० फिट)क उचाईमे तिजुका फोरेस्ट राष्ट्रिय निकुञ्जमे कोर्कोवाडो सिखरक चोटीमे अवस्थित अछि जतेकसँ सहर पूर्ण देखबैत अछि । ई विश्वमे अपन किसिमक सबसँ उँच मूर्तिसभ मेसँ एक छी (बोलिभियाक कोचाबम्बामे स्थित क्राइस्टो डी ला कोनकोर्डियाक प्रतिमा अहिसँ उँच छी ) । ईसाई धर्मक एकटा प्रतीकक रूपमे ई प्रतिमा रियो आ ब्राजिलक एकटा नमूना बनल अछि । [३] ई प्रतिमा मजबुत कङ्क्रिट तथा सोपस्टोनसँ बनाएल गेल अछि, एकर निर्माण सन् १९२२ सँ सन् १९३१ क मध्यमे कएल गएल छल । [१][४][५]

क्राइस्ट द रिडिमर
Cristo Redentor
Cristo redentor rio.JPG
क्राइस्ट द रिडिमर ब्राजिलपर अवस्थित
क्राइस्ट द रिडिमर
ब्राजिलमे स्थान
निर्देशाङ्क२२°५७′७″द॰ ४३°१२′३८″प॰ / २२.९५१९४°S ४३.२१०५६°W / -22.95194; -43.21056निर्देशाङ्क: २२°५७′७″द॰ ४३°१२′३८″प॰ / २२.९५१९४°S ४३.२१०५६°W / -22.95194; -43.21056
स्थानरियो दी जेनेरियो , ब्राजिल
प्रकारमूर्ती
उचाई३० मिटर (९८ फिट)
समापन तिथिअक्टुबर १२, १९३१
स्थापित अक्टुबर १२,२००६
आधिकारिक नामरियो दी जेनेरियो: पहाड आ नदीक बीच केरिओका परिदृश्य
प्रकारऐतिहासिक
मापदण्डv, vi
नामाङ्कित१९३१ (११अम संस्करण)
सन्दर्भ क्रम.११००
राज्यब्राजिल
क्षेत्रदक्षिण अमेरिका

चित्र दीर्घासंपादित करें

मूर्ति 
सिढी 
पुनर्निर्माणक बाद 

सन्दर्भ सूचीसंपादित करें

  1. १.० १.१ "क्राइस्ट द रिडीमर", TIME, १९३१-१०-२६, अन्तिम पहुँच २००७-०७-११ 
  2. "हाउ बिग इज इसस?", London: Guardian.co.uk, २०१०-१०-२८, अन्तिम पहुँच २०१०-११-०६ 
  3. "विश्वका सात आश्चर्य", Hindustan Times, २००७-०७-०८, अन्तिम पहुँच २००७-०७-११ 
  4. "ब्राजिल:स्ट्याच्यु अफ क्राइष्ट", Travel Channel, अन्तिम पहुँच २००७-०७-०७ 
  5. "स्ट्याटस फर रियो", BBC, २००६-१०-१३, अन्तिम पहुँच २००७-०७-०७ 

बाह्य जडीसभसंपादित करें

एहो सभ देखीसंपादित करें