कोरोना भाईरस भाईरस के एकटा समूह छी जे स्तनधारीसभ आओर पक्षिसभमे बीमारीसभ के कारण बनावैत अछि। मनुष्यसभमे, कोरोना भाईरस श्वसन तन्त्रमे संक्रमण के कारण होइत अछि जे साधारण रुपसँ हल्का होइत अछि, जेना कि सामान्य सर्दी, मुद्दा कि दुर्लभ रूप जेहन कि सार्स, मर्स आओर "कोभीड-१९" घातक भऽ सकैत अछि। अन्य प्रजातिसभमे लक्षण भिन्न होइत अछि: मुर्गीसभमे, ओ एकटा ऊपरी श्वसन पथ के बीमारी के कारण बनैत अछि, जखन कि गायसभ आओर सुगरसभमे ओ दस्त के कारण बनैत अछि। मानव कोरोना भाईरस संक्रमण के रोकवाक वा ओकर इलाज करवाक लेल एखनो धरि कोनो प्रकारक खोप (सुईयाँ) वा एन्टी टोड दवाई नै बनल गेल अछि।

ओर्थोकोरोनाभाईरिनी
एभीयन संक्रामक ब्रोङ्काइटिस भाईरस के इलेक्ट्रोन माइक्रोग्राफ
कोरोनाभाईरस के आकारिकी के चित्रण क्लब के आकार के भाईरल स्पाइक पेप्लोमर्स, लाल रङ के, एकटा इलेक्ट्रोन के सूक्ष्म रूपसँ देखए पर भाईरन के चारो दिशामे एकटा कोरोना के रूप बनावैत अछि।
भाइरस वर्गीकरण e
Unrecognized taxon (fix): ओर्थोकोरोनाभाईरिनी
जेनेरा[१]
पर्याय[२][३][४]
  • कोरोनाभाईरिनी

खोज सम्पादन करी

कोरोना भाइरसक खोज पहिल बेर सन् १९३० के दशकमे कएल गेल छल जखन कि घरपालुवा मुर्गीसभमे श्वास सम्बन्धी एकटा तीब्र समस्या उत्पन्न भेल छल जे कि देखए मे संक्रात्मक ब्रोङ्काइटिस रोग के भाइरस जेहन लागय छल । अर्थर शल्क आओर एमसी हवन १९३१ मे उत्तरी डकोटा मे मुर्गीसभक एकटा नवका श्वास सम्बन्धी संक्रमण के वर्णन कएल गेल। नवका जन्म भेल बच्चा के संक्रमण के हाफए मे आओर सुनए मे तकलीफ होइत छल। बच्चा के मृत्यु दर ४०-९०% धरि छल। १९३७ मे, फ्रेड बीउडेट आओर चार्ल्स हडसन बतौने छल जे ओ संक्रामक ब्रोङ्काइटिस भाइरस के सफलतापूर्वक अलग करि देलक आओर खेती केलक, जाहीसँ ई रोग भेल छल। १९४० के दशक मे, दुईटा आओर पशु कोरोना भाइरस, माउस हेपाटाइटिस भाइरस (एमएचवी) आओर संक्रामक ग्स्ट्रोयाएन्टेराइटिस भाइरस (टीजीईवी) के अलग करि देल गेल छल। ई ओ समय महसूस नै कएल गेल छल कि ई तीनटा अलग-अलग भाइरस सँ समबन्धित छल।

१९६० के दशक मे मानव कोरोना भाइरसक खोज कएल गेल छल। शुरुवाती मे लोग मे सामान्य सर्दी के साथ कएल गेल अध्ययन मे मानव रोगीसभ देखल गेल छल, जेकरा बाद मे मानव कोरोनो भाइरस २२९ई अओर मानव कोरोना भाइरस ओसीसी ४३ नाम देल गेल छल। ओकरा सभसँ पहिने लण्डन के सेन्ट थोमस अस्पताल मे स्कटिस भाइरोलोजिस्ट जून अल्मेडा द्वारा चित्रित कएल गेल छल। जखन २००३ मे सार्स-कोभ, २००४ मे एचकोभ एनएल६३, २००५ मे एचकेयू१, २०१२ मे मार्स-कोभ, आओर २०१९ मे सार्स-कोभ-२ सहित अन्य मानव कोरोना भाइरसक पहिचान कएल गेल अछि। एहीमे सँ अधिकांश मे गम्भीर श्वास प्रणाली सम्बन्धी संक्रमण शामिल अछि।

व्युत्पत्ति सम्पादन करी

"कोरोना भाइरस" नाम ल्याटिन शब्द कोरोना सँ लेल गेल अछि, जेकर अर्थ होइत अछि "मुकुट" वा "पुष्पाञ्जली", जे खुद ग्रीक ώορώνη korṓnē, "पुष्प पुञ्ज, माला" सँ लेल गेल अछि है। ई नाम पहिल बेर १९६८ मे भाइरससभक नव्का परिवार के नामित करवाक लेल जर्नल नेचर मे भाइरोलोजिस्ट के एकटा अनौपचारिक समूह द्वारा प्रयोग कएल गेल छल। नाम इलेक्ट्रन माइक्रोस्कोपी द्वारा विषाणुसभ (भाइरस के संक्रामक रूप) के विशेषता उपस्थिति के सन्दर्भित करैत अछि, जाहीमे बडका, बल्ब जेहन सतह अनुमान के एकटा फ्रिन्ज होइत अछि जे एकटा मुकुट वा सौर कोरोना के स्मरण करावैत अछि। ई आकारिकी भाइरल स्पाइक पेप्लोमर्स द्वारा बनाओल गेल अछि, जे भाइरसक सतह पर प्रोटीन अछि।

बनावट सम्पादन करी

कोरोना भाइरस बल्ब जेहन सतह जेहन अओर बडका फुफ्फुसीय गोलाकार कण होइत अछि। भाइरस के कणसभक औसत व्यास लगभग १२० एनएम (०.१२ माइक्रोन) होइत अछि। भाइरस के पार्टिकल के व्यास ~ ८० एनएम (०.०८ माइक्रोन) होइत अछि आओर स्पाइक्स ~ २० एनएम (०.०२ माइक्रोन) लम्बा होइत अछि । इलेक्ट्रन माइक्रोग्राफ मे भाइरस के पार्टीकल इलेक्ट्रन घन-गोला के एक विशिष्ट जोडी के रूप मे प्रकट होइत अछि।

भाइरस पार्टिकल मे एकटा लिपिड बाईलेयर होइत अछि जतय झिल्ली (एम), पार्टिकल (ई) आओर स्पाइक (एस) संरचनात्मक प्रोटीन लङ्गर राखल जाइत अछि। कोरोना भाइरस (विशेष रूपसँ बीटा कोरोना भाइरस सबग्रुप ए के सदस्य) के एकटा उपसमुच्चय मे एकटा छोटका स्पाइक जेहन सतह प्रोटीनसँ बनल होइत अछि जेकरा हेमाग्लगुटिनिन एस्टरेज (एचई) कहल जाइय।

पार्टिकल के भितर, न्यूक्लियोक्याप्सिड होइत अछि, जे न्यूक्लियोक्याप्सिड (एन) प्रोटीन के अनेकौं प्रतिसभ सँ बनैत अछि, जे निरन्तर मोती-पर-कडा प्रकार के विरूपण मे सकारात्मक-भावना एकल-फसल आरएनए जीनोम सँ बाँधल गेल होइत अछि। लिपिड बिलीयर पार्टिकल, झिल्ली प्रोटीन आओर न्यूक्लियोक्याप्सिड भाइरस के रक्षा करैत अछि जखन ई होस्ट सेल के बाहर होइत अछि।

ट्रान्समिशन सम्पादन करी

एकर पूरक होस्ट सेल रिसेप्टर के सँगे कोरोनो भाइरस स्पाइक प्रोटीन के बातचीत भाइरस के ऊतक ट्रोपिज्म, संक्रामकता आओर प्रजातीसभक सीमा निर्धारित करए मे केन्द्रीय होइत अछि। उदाहरण के लेल, सार्स कोरोना भाइरस, एन्जियोटेन्सिन-परिवर्तित एन्जाइम २ (एस२) रिसेप्टर के संलग्न करि के मानव कोशिकासभ के संक्रमित करैत अछि।

ट्याक्सोनोमी सम्पादन करी

कोरोना भाइरस के वैज्ञानिक नाम अर्थोकोरोनाभिरिना वा कोरोनाभिरिना छी। कोरोना भाइरस कोरोनाभिरिडे के परिवार के सदस्य छी , निडोभिरालेस के क्रममे, आओर रिबोविरिया दायरा पडैत अछि। ओ अल्फा कोरोनाभाइरस आओर बीटा कोरोना भाइरस मे विभाजित अछि जे स्तनधारीसभ के संक्रमित करैत अछि - आओर गामा कोरोना भाइरस आओर डेल्टा कोरोना भाइरस जे मुख्य रूपसँ पक्षिसभ के संक्रमित करैत अछि।

विकास सम्पादन करी

मानव कोरोना भाईरस सम्पादन करी

कोरोनो भाईरससँ सम्बन्धित बीमारीसभक प्रकोप सम्पादन करी

गम्भीर तीव्र श्वसन सिन्ड्रोम (SARS) सम्पादन करी

मध्य पूर्व श्वसन सिन्ड्रोम (MERS) सम्पादन करी

कोरोना भाईरस रोग २०१९ (COVID-19) सम्पादन करी

अन्य जनावरसभ सम्पादन करी

रोग के कारण सम्पादन करी

घरेलू पशुसभमे सम्पादन करी

जीनोमिक सीआईएस-अभिनय तत्व सम्पादन करी

जीनोम प्याकेजिङ् सम्पादन करी

उपचार सम्पादन करी

आर्टिफिसियल इन्टेलिजेन्स के उपयोग सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Virus Taxonomy: 2018b Release"International Committee on Taxonomy of Viruses (ICTV) (अंगरेजीमे)। March 2019। 4 March 2018 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 24 January 2020
  2. "2017.012-015S" (xlsx)International Committee on Taxonomy of Viruses (ICTV) (अंगरेजीमे)। October 2018। 14 May 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 24 January 2020
  3. "ICTV Taxonomy history: Orthocoronavirinae"International Committee on Taxonomy of Viruses (ICTV) (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 24 January 2020
  4. Fan Y, Zhao K, Shi ZL, Zhou P (March 2019)। "Bat Coronaviruses in China"Viruses11 (3): 210। doi:10.3390/v11030210PMC 6466186PMID 30832341{{cite journal}}: CS1 maint: unflagged free DOI (link)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी