कादम्बरी मुरली वाडे (जन्म ९ अगस्त १९७५) एक पूर्व खेल पत्रकारस्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड इन्डियाक प्रधान सम्पादक छी। ओ हिन्दुस्तान टाइम्सक प्रधान सम्पादक बननिहार एक मात्र महिला छी। ओ सन् २०११ कें जनवरीमे मासिक पत्रिकाक निर्देशन करवाक हेतु नवम्बर २०१० मे एसआई इन्डियामे सम्मलित भेल छल। हुनकर लेख प्राय क्रिकेट पर केन्द्रित अछि। ओ एक प्रमुख समाचार आउटलेटक सबसँ कम उमरक सम्पादक छी। सन् २००६ मे फेडरेसन अफ इन्डियाद्वारा प्रदान कएल गेल पहिल वर्ष खेल पत्रकार लेखक विजेता, अगस्त २००७ मे भारतीय क्रिकेट बोर्ड (बिसिसिआई) द्वारा आयोजना कएल जाएवला इन्डियन प्रिमियर लिगके की कहल जाएत ओकर समाचार मुरली सर्वप्रथम जनताधरि आनने छल।[१][२][३]

कादम्बरी मुरली
Kadambari Murali Wade
जन्म (१९७५-०८-०९) ९ अगस्त १९७५ (उमर ४८)
मुम्बई, भारत
स्थितिविवाहित
व्यवसायपत्रिकाक सम्पादक, खेल पत्रकार
उल्लेखनीय श्रेय(सभ)
राष्ट्रिय खेल सम्पादक, हिन्दुस्तान टाइम्स, एसियन एज; द पायनियर
शीर्षकपूर्व प्रधान सम्पादक,स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड
जीवनसाथी(सभ)वायली वेड



जीवनी सम्पादन करी

कादम्बरीकें जन्म बम्बे (एखन मुम्बई) मे सन् १९७५ अगस्तमे भेल छल । कादम्बरीक जन्मक किछ साल बाद हिनकर परिवार राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र नयाँ दिल्लीमे बसोबास करवाक लेल चलि गेल छल। ओ अपन प्रारम्भिक शिक्षा दिल्लीमे पूर्ण केलक आ उच्च शिक्षा सेहो नयाँ दिल्लीकें हिन्दू कौलेज, दिल्ली विश्वविद्यालय सँ राजनीति विज्ञानमे बिए (औनर्स) कऽ पुरा केलक । ओ प्रविणता प्रमाण पत्र तह दिल्लीकें कार्मेल कोन्भेन्टक डिप्लोम्याटिक एन्क्लेव सँ अध्ययन केनए छल।

सन् १९९७ मे 'द पायनियर' मे प्रवेश करै सँ पूर्व ओ एसियन एज सङ्गे आंशिक रुप सँ काज केनए छल जतय ओ पर्यावरण, लिङ्ग आ विकासक अवधारणाकें जनता समक्ष प्रस्तुत केनए छल। सन् १९९७ मे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक मुख्यालय म्यानह्याटन, न्यू योर्कमे पृथ्वी शिखर सम्मेलन द्वितीयकें दस्तावेजीकरण केनए छल।

सन् १९९६ सँ सन् १९९८ कें मध्य धरि कादम्बरी दैनिक रूप सँ मुख्यधारामे भारतक पहिल साप्ताहिक वेब कलम लिखलक, जकरा "सर्फर कऽ डायरी" कहल जाएत अछि।

खेल पत्रकारिता सम्पादन करी

कादम्बरी कहियो-काल खेल अनुभागक लेल सेहो लिखैत छल, मुदा एक पूर्णकालिक खेल पत्रकार बनऽ सँ पूर्व ओ पहिने 'एसियन एज' (मध्य १९९८-१९९९) आ फेर इन्डियन एक्सप्रेस (१९९९ सँ २००१ धरि) मे काज केनए छल। सन् २००१ अप्रैलमे, ओ रबि दिन प्रकाशित होमए वला हिन्दुस्तान टाइम्सक खेलकुद अनुभाग स्थापित करवाक लेल हिन्दुस्तान टाइम्समे काज केनाए आरम्भ केलक।

एकर बाद, एचटी स्पोर्ट्स डेस्कक लेल ओ एक खोजी खेल पत्रकारक रुपमे अपना आपके स्थापित केलक आ एक लेखिकाक रुपमे आठ देशमे क्रिकेटकें समाचारकें दस्तावेजीकरण करि अपन पुस्तकमे प्रकाशित केलक।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "DNA's Ramesh Nair named Best Photographer"। Daily News & Analysis। अन्तिम पहुँच 10 August 2006
  2. "Indian Sports Journalism Awards" (PDF)। Sports Journalists' Federation of India। मूल (PDF)सँ 2010-10-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-17 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. Murali, Kadambari। "BCCI set to steal ICL's thunder with secret plan"Hindustan Timesमूलसँ 2013-02-08 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-17 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी