कमलामाई नगरपालिका

कमलामाई नगरपालिका नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक जनकपुर अञ्चल, सिन्धुली जिलामे अवस्थित अछि। कमला उपत्यकाक सिन्धुली माढीमे अवस्थित कमलामाई सिन्धुली जिलाक सदरमुकाम छी। ई नगरपालिकाक स्थापना विसं २०५३ सालमे भेल अछि। पहिने सिद्धेश्वर आ भिमान दुई गाविस समेट ई नगरपालिका बनाएल गेल छल। एकर पूर्वमे रानिचुरी, रानिबास, भिमस्थानबेलघारी गाविस पडैत अछि तहिना पश्चिममे डाँडिगुराँसेभद्रकाली गाविससभ अछि। उत्तरमे रतनचुराभद्रकाली गाविससभ पडैत अछि तहिना दक्षिणमे सर्लाही, महोत्तरीधनुषा जिला (चुरे पहाड) अवस्थित अछि। कमलामाई नगरपालिकाक पूर्व - पश्चिम लम्बाई ३३ कि.मी. अछि। एकर चौडाई सभ ठामपर एक रङ्गक नै अछि। एकर सरदर चौडाई ७ कि.मी. रहल अछि। वर्दिवास - सिन्धुली सडक एकरा काटि के गेल अछि। माईस्थानमे अवस्थित कमलामाई मन्दिर ई स्थानक लेल सुप्रसिद्ध अछि। ओतयसँ उत्पन्न कमला नदी ई क्षेत्रमे मात्र नै भऽ देशभरिमे प्रसिद्ध अछि। कमलामाई मन्दिरक नामसँ ई नगरपालिकाक नामाकरण कएल गेल अछि।

कमलामाई नगरपालिका
सिन्धुलीमाडी
सिन्धुली माडी
सिन्धुली माडी
देश नेपाल
अञ्चलजनकपुर अञ्चल
जिलासिन्धुली जिला
जनसङ्ख्या
 (२०६८)
 • कुल३२,८३८
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपाली समय)
वेबसाइटkamalamaimun.gov.np

जनसङ्ख्या सम्पादन करी

नगरपालिकाक कूल जनसङ्ख्या ३२,८३८ रहल अछि। ओहिमे सँ १६,४५० महिला आ १६,३८८ पुरुष अछि । कूल जनसङ्ख्यामे सँ ४४% साक्षर अछि आ ५६% निरक्षर अछि। निरक्षर जनसङ्ख्यामे सँ ४२% पुरुष आ ५८% महिला रहल अछि। नगरपालिकाक औषत वार्षिक जनसङ्ख्या वृद्धि दर २% रहल अछि।

भूगोल सम्पादन करी

नगरपालिकाक कूल क्षेत्रफल २०,५१२ हेक्टर मे सँ १११९६ हेक्टर वनजङ्गल, ५,४३२ हेक्टर खेतियोग्य भूमि, २,५६१ हेक्टर नदी नाला आ १,३२३ हेक्टर वस्ती तथा बजार क्षेत्रसँ घेरल अछि। नगरपालिकाक मुख्य वस्तीसभमे ज्यामिरे, डुम डाँडा, वेसारे, राजपानी, शिखर, खैरेनी, सिमले, लामिडाँडा, कुडुले, बोगटी, गैयाँटार, रातमाटा, राम्माढी, दोभानटार, माझगाउँ, पाखाटोल, कुलो खोला गाउँ, सरकारी टोल, राजमहल, चिलाउने टोल, तरुल वन, मजुरे गाउँ, ताप्के गाउँ, भिमान, ढुङ्ग्रेवास, ढकाल गाउँ आदि छी। भिमान बजार, सिन्धुली बजार (१ नं. बजार, २ नं. बजार), धुरा बजार आ ढुङ्ग्रेवास बजार नगरपालिकाक प्रमुख बजारसभ छी। सिन्धुली तथा भिमान बजारमे साप्ताहिक हाटबजार सेहो लागैत अछि। शिद्धबाबा, कालीमाई तथा कमलामाई एतौका मुख्य मन्दिरसभ छी। रानीचुरी डाँडो नगरपालिकाक ऐतिहासिक स्थल छी।[१] कमलामाइ नगर कमला उपत्यकामे बैसल अछि। किछ उपरी डाँडामे एतिहासिक सिन्धुलीगढी दरवार अछि। नगरक मुख्य बजार सिन्धुली माढीमे अवस्थित अछि। जतय पृथ्वी नारायण शाहक गोर्खाली सेना, अङ्ग्रेजी कप्तान किनलोकक अङ्ग्रेजी सेनाके नेपाल एकीकरणक समयमे परास्त केनए छल। बादमे राणाकालमे दरवार बनलाबाद ई क्षेत्रके प्रसाशनिक केन्द्र बनाएल गेल छल। सिन्धुलीमाढी शहरमे लगभग ४० हजार लोक बसोबास करैत अछि।


सन्दर्भ सामाग्री सम्पादन करी

  1. "कमलामाई नगरपालिका"। Kamalamaimun.gov.np। {{cite web}}: Italic or bold markup not allowed in: |publisher= (help)[permanent dead link]

एहो सभ देखी सम्पादन करी