Vegetation-no-legend.PNG
Blue Linckia Starfish.JPG Male lion on savanna.jpg

Hawk eating prey.jpg European honey bee extracts nectar.jpg

पारिस्थितिकीक वैज्ञानिक साम्राज्य विश्वव्यापी प्रक्रियासभ (ऊपर), सँ सागरीय एवं पार्थिव सतही प्रवासिसभ (मध्य) सँ ल अन्तर्विशिष्ट अन्तरसम्बन्ध जना प्रिडेशन आ परागण (नीचा) धरि होइत अछि।

पारिस्थितिकी (अङ्ग्रेजी:इकोलोजी) जीवविज्ञानक एक शाखा छी जाहिमे जीव समुदायसभके ओकर वातावरणक साथ पारस्परिक सम्बन्धसभक अध्ययन करैत अछि। प्रत्येक जन्तु या वनस्पति एक निश्चित वातावरणमे रहैत अछि। पारिस्थितिज्ञ ई तथ्यके पता लगाबैत अछि कि जीव आपसमे आ पर्यावरणक साथ कोन तरह क्रिया करैत अछि आ ओ पृथ्वी पर जीवनक जटिल संरचनाक पता लगाबैत अछि।[१]

पारिस्थितिकीके इन्भाइरोमेन्टल बायोलोजी सेहो कहल जाइत अछि। ई विषयमे व्यक्ति, जनसङ्ख्या, समुदायसभ आ इकोसिस्टमक अध्ययन होइत अछि। इकोलोजी अर्थात पारिस्थितिकी (जर्मन: Oekologie) शब्दके प्रथम प्रयोग सन् १८६६ मे जर्मन जीववैज्ञानिक अर्नेस्ट ह्याकल अपन पुस्तक जनरेल मोर्पोलोजी देर ओर्गेनिज्मेन" मे केनए छल।

बीसम सदीक आरम्भमे मनुष्य आ ओकर पर्यावरणक बीच सम्बन्धसभपर अध्ययन प्रारमभ भेल आ एक साथ बहुतेक विषयसभमे एहि दिस ध्यान देल गेल। परिणामस्वरूप मानव पारिस्थितिकीक सङ्कलपना आएल। प्राकृतिक वातावरण बेहद जटिल अछि याह कारण शोधकर्ता अधिकांशत: कोनो एक किसिमक प्राणिसभक नस्ल या पौधासभपर शोध करैत अछि। उदाहरणक लेल मानवजाति धरती पर निर्माण करैत अछि आ वनस्पतिपर सेहो असर डालैत अछि। मनुष्य वनस्पतिक किछ भाग सेवन करैत अछि आ किछ भाग बिल्कुल सेहो अनोपयोगी छोडि दैत अछि। ओ पौधासभ लगातार अपन फैलाव करैत रहैत अछि।

वीसम सदीमे ई ज्ञात भेल की मनुष्यसभक गतिविधिसभक प्रभाव पृथ्वी आ प्रकृति पर सर्वदा सकारात्मक नै पड़ रहल अछि।[१]

विषय सूचीसभ

इतिहाससम्पादन

सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन

  1. १.० १.१ इकोलॉजी । हिन्दुस्तान लाइव। २ मई २०१०।

बाह्य जडीसभसम्पादन

एहो सभ देखीसम्पादन