आसिन (नेपाली: आश्विन , असोज, बङ्गाली: আশ্বিন, संस्कृत: अश्विन्) हिन्दू क्यालेन्डरक १२ महिनासभमे सँ एक महिना छी । ई महिनाके भोजपुरी, अवधि आ थारु भाषामे कुवार महिना कहल जाइत अछि । चन्द्रमासक अनुसार ई महिना भाद्र पूर्णिमाक काल्हिसँ सुरु भेल मानल जाइत अछि ताहिना सौर्यमास अनुसार आसिनक महिना कन्या सक्रान्तिक दिन सुरु होमएत अछि । मुदा शाक्य पञ्चाङ्गक अनुसार आसिन महिना कन्या सक्रान्तिक ५ दिन बाद सुरु होइत अछि। नेपालमे सौर्यमासके प्रयोगमे आनल गेल अछि। आसिनक महिना शरदऋतुक पहिल महिना छी । अङ्ग्रेजी महिनाक आधा सितम्बर[१] महिना आ आधा अक्टुबर महिना आश्विन महिनामे पडैत अछि।

पावनिसभसंपादित करें

आसिन महिनामे विवध पावनिसभ मनाएल जाइत अछि। जे निम्नलिखित अछि:

  1. नवरात्री (१-९ आसिन)
  2. दुर्गा पुजा (६-१० आसिन)
  3. कोजाग्रत पूर्णिमा (१५ आसिन)
  4. विजयादशमी या दशहरा (१० आसिन)
  5. दिवाली त्योहार जाहिमे धनतेरस (२८ आसिन), नर्क चतुर्दशी (२९ आसिन) आ लक्ष्मी पुजा (आसिनक अन्तिम् दिन)
  6. काली पुजा (आसिनक पहिल चन्द्र)

सन्दर्भ सूचीसभसंपादित करें

  1. Henderson, Helene. (Ed.) (2005) Holidays, festivals, and celebrations of the world dictionary Third edition. Electronic edition. Detroit: Omnigraphics, p. xxix. ISBN 0-7808-0982-3

बाह्य लिङ्कसभसंपादित करें

एहो सभ देखीसंपादित करें