सचिन तेन्दुलकर

सचिन रमेश तेंदुलकर (जन्म: २४ अप्रिल १९७३) क्रिकेट के इतिहास में विश्व के सर्वश्रेष्ठ बल्लेबाज सभमें गिनल जाएत अछि । भारत के सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न सँ सम्मानित होबए वाला वो सर्वप्रथम खेलाडी आर सबसँ कम उमर के व्यक्ति छी । सचिन तेन्दुलकर राजीव गांधी खेल रत्न पुरस्कार सँ सम्मानित एकमात्र क्रिकेट खेलाडी छी । सन् २००८ में वो पद्म विभूषण सँ सहो पुरस्कृत केल गेल छल ।

सन् १९८९ में अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट में पदार्पण केला पश्चात् वो बल्लेबाजी में बहुत रास कीर्तिमान स्थापित केने अछि । वो टेस्ट आ एकदिवसीय क्रिकेट, दुनु में सर्वाधिक शतक बनेने अछि । वो टेस्ट क्रिकेट में सबसँ बेसी रन बनाबए वाला बल्लेबाज छी । ऐ सँगे वो टेस्ट क्रिकेट में १४००० सँ बेसी रन बनाबए वाला विश्व के एकमात्र खेलाडी छी । एकदिवसीय म्याच सभ में सहो वो सबसे बेसी रन बनाबए के कीर्तिमान प्राप्त अछि । (पूरा लेख...)