आकृति:मुख्य लेख/नवम्बर, २०१९
उत्तर कोरिया आधिकारिक रूपसँ प्रजातान्त्रिक जनवादी गणतन्त्र कोरिया पूर्वी एसियामे कोरिया प्रायद्वीपक उत्तरमे बसल एक देश छी । देशक राजधानी आ सभसँ पैग शहर प्योङयाङ छी । कोरिया प्रायद्वीपक ३८अम समानान्तर पर बनाएल गेल कोरियाली सैन्यविहीन क्षेत्र उत्तर कोरिया आ दक्षिण कोरियाक बीच विभाजन रेखाक रूपमे काज करैत अछि । अमनोक नदी आ तुमेन नदी उत्तर कोरिया आ चीनक बीच सीमाक निर्धारण करैत अछि, ओतय अती उत्तर-पूर्वी छोर पर तुमेन नदीक एक शाखा रूसक साथ सीमा बनबैत अछि । सन् १९१० मे, कोरिया साम्राज्य पर जापानद्वारा कब्जा करि लेल गेल छल । सन् १९४५ मे द्वितीय विश्वयुद्धक अन्तमे जापानी आत्मसमर्पणक बाद, कोरियाकेँ संयुक्त राज्य आ सोभियत सङ्घद्वारा दुई क्षेत्रसभमे विभाजित करि देल गेल, जतय एकर उत्तरी क्षेत्र पर सोभियत सङ्घ तथा दक्षिण क्षेत्र पर अमेरिकाद्वारा कब्जा करि लेल गेल । (पूरा लेख...)