आकृति:मुख्य लेख/नवम्बर, २०१५

जनकपुर

जनकपुर उपमहानगरपालिका जनकपुर अञ्चलक धनुषा जिलामें अवस्थित अछि । जनकपुर उपमहानगरपालिक रूपमें २०७१ साल मङ्गसिर १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिका लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा भेला बाद उपमहानगरपालिका घोषणा भेल । जनकपुरक उपमहानगरपालिका घोषित करएत काल एहिमें कुर्था, बसबिट्टी, बिन्धी, महुवा प्रको, लोहना, बेंगाशिवपुर, बसहिया, देवपुरा रूपैठा, लक्ष्मीपुरबगेवा, गोपालपुर तथा कनकपट्टी गाविसक समावेश करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा केल गेल । एहि धनुषा जिलाक सदरमुकाम सेहो छी । एतएक नेपालक प्रसिद्ध मन्दिर जानकी मन्दिर अछि । जनकपुर नगरक मैथिली संस्कृतिक केन्द्र मानल जाएत अछि । जनकपुर वा जनकपुरधाम दक्षिण पूर्व नेपालक जनकपुर अञ्चल अन्तर्गत धनुषा जिलामें अवस्थित अछि । एहि शहर नेपालक तराईमें पडएत अछि आर एकरा साँस्कृतिक, ब्यापारिक तथा राजनैतिक दृष्टिकोणसँ महत्वपूर्ण मानल जाएत अछि । ई धनुषा जिलाक प्रशासकिय केन्द्र सेहो छी । एहि सहरक अनुमानित जनसंख्या ९७,७७६ अछि । ई नेपालक राजधानी काठमाडौँसँ ४०० कि.मि. दक्षिण पूर्वमें अछि तथा भारतीय सीमासँ २० कि.मी.मे अवस्थित अछि । भौगोलिक अक्षांस आर देशान्तरक हिसाबमे एहि सहर २६° ४२' ४४" उत्तर, ०८५° ५५' १८" पूर्वमे अवस्थित अछि । जनकपुर हिन्दू धर्ममे एक महत्वपूर्ण स्थल तथा नेपालक एकमात्र रेल भेला कारण पर्यटनक लेल सेहो महत्वपूर्ण सहर छी । (पूरा लेख...)