आकृति:मुख्य लेख/जनवरी, २०२०

पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका नेपालक गण्डकी प्रदेश स्थित कास्की जिलामे रहल महानगरपालिका आ प्रादेशिक राजधानी छी। वि.सं. २०५२ माघ १८ गते उपमहानगरपालिका घोषित पोखराकेँ सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा वि.सं. २०७३ फागुन २७ गते महानगरपालिका घाेषणा कएल गेल छल। ई महानगरपालिकाका कूल क्षेत्रफल ४६४.२४ वर्ग किलोमिटर रहल अछि तहिना कूल जनसङ्ख्या ४,१४,१४१ रहल अछि। महानगरपालिकाक केन्द्र साबिक पोखरा उपमहानगरपालिका कार्यालय राखल गेल अछि।

पाेखरा लेखनाथ महानगरपालिका, पोखरा उपमहानगरपालिका, लेखनाथ नगरपालिका, मौजा, चापाकोट, भदौरे तमागीक (३,९) वडासभ, कास्कीकोट, माझठानाक (१,४,९) वडासभ कालिकाक (१,५) वडासभ आ पुरन्चौर गाउँ विकास समिति मिलाए कुल ३३ टा वडामे विभाजित अछि। पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकाक पूर्वी सिमानामे मादी गाउँपालिकारूपा गाउँपालिका, पश्चिममे अन्नपूर्ण गाउँपालिका, पर्वतस्याङ्जा जिला तहिना एकर उत्तरी सिमानामे माछापुच्छ्रे गाउँपालिकामादी गाउँपालिका तथा दक्षिणमे स्याङ्जातनहुँ जिला रहल अछि। (पूरा लेख...)