अस्वान बाँध, सन् १९६० सँ विशेष रुप सँ अस्वान उच्च बाँध एक तटबन्धीय बाँध छी जे सन् १९६० सँ सन् १९७० कऽ बीच इजिप्टक अस्वान शहर भऽ प्रवाह होमएवला नाइल नदीकें बीचोबीच बनाएल गेल अछि। ई बाँधक उच्च महत्वक कारण सन् १९०२ मे प्रारम्भिक रुप सँ बनाएल गेल अस्वान निम्न बाँधक महत्वपूर्णता ओझल भऽ गेल अछि। निम्न बाँधक निर्माण आ एकर अधिकतम उपयोग तथा सफलताकें आधार पर सन् १९५२ मे भेल मिश्र क्रान्तिक बाद उच्च बाँधक निर्माण ई देशक सरकारक एक महत्वपूर्ण उद्देश्य बनि गेल। बाढ़िकें बेहतर ढङ्ग सँ नियन्त्रित करवाक क्षमता, सिचाईकें लेल पानिक भण्डारण बढ़ेवाक क्षमता आ बिजली उत्पन्न करवाक क्षमता देख उच्च बाँध निर्माणकें मिस्र सरकार नियोजित औद्योगिकीकरणक लेल महत्वपूर्ण मानलक। उच्च बाँधक निर्माण पूर्ण भेलाक बाद इजिप्टक अर्थव्यवस्था आ संस्कृति पर महत्वपूर्ण प्रभाव पड़ल अछि।

अस्वान बाँध
Aswan High Dam
BarragemAssuão.jpg
अन्तरिक्ष सँ देखला पर अस्वान बाँध
अस्वान बाँध Egyptपर अवस्थित
अस्वान बाँध
इजिप्टमे अस्वान बाँधक अवस्थिति
आधिकारिक नामअस्वान उच्च बाँध
स्थानअस्वान, इजिप्ट
निर्देशाङ्क२३°५८′१४″उ॰ ३२°५२′४०″पू॰ / २३.९७०५६°N ३२.८७७७८°E / 23.97056; 32.87778निर्देशाङ्क: २३°५८′१४″उ॰ ३२°५२′४०″पू॰ / २३.९७०५६°N ३२.८७७७८°E / 23.97056; 32.87778
निर्माण आरम्भसन् १९६०
आरम्भ तिथिसन् १९७०
ध्वस्त तिथिनै
मालिक(सभ)इजिप्ट
वाँध आ पानि नियन्त्रणक विवरण
वाँधEmbankment
नियन्त्रक नदीनाइल नदी
उचाई१११ मी (३६४ फिट)
लम्बाई३,८३० मी (१२,५७० फिट)
चौडाई (आधार)९८० मी (३,२२० फिट)
पानि बहाव क्षमता११,००० मी3/सेक (३,९०,००० घन फिट/सेक)
जलाशय
निर्माणनासेर ताल
कूल क्षमता१३२ किमी3 (१०,७०,००,००० एकड•फिट)
आधार क्षेत्रफल५,२५० किमी (२,०३० वर्ग माइल)
अधिकतम लम्बाई५५० किमी (३४० माइल)
अधिकतम चौडाई३५ किमी (२२ माइल)
अधिकतम पानि गहिराई१८० मी (५९० फिट)
सामान्य उचाई१८३ मी (६०० फिट)
बिजलीघर
स्थापना१९६७-१९७१
टर्बाइन१२×१७५ मेगावाट (२,३५,००० अश्वशक्ति) फ्रान्सिस-प्रकार
स्थापित क्षमता२,१०० मेगावाट (२८,००,००० अश्वशक्ति)
वार्षिक उत्पादन१०,०४२ GWh (२००४)[१]

इतिहाससम्पादन

अर्थव्यवस्थासम्पादन

सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन

  1. "Aswan High Dam", Carbon Monitoring for Action, २०१५-०१-१५-के मूल रूप सङ्ग्रहित, अभिगमन तिथि २०१५-०१-१५ 

बाह्य जडीसभसम्पादन

एहो सभ देखीसम्पादन